नेपम धनुषाके एगारहम् अधिवेशन,आम्दानी २४,खर्च २५लाख

२०७७ मंसिर २७, शनिबार १३:२७
सीमाञ्चल समदिया

  • 37
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके एगारहम् अधिवेशन आइ शुरु भेल छै । जनकपुरधाम वार्ड नं.१२ कुवा स्थित मत्यस विकास केन्द्रके प्रेक्षालयमे शनिदिन उद्घाटन आ समापन शत्र भेल । प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपालीके प्रमुख आतिथ्यमे एवं महासंघ धनुषाके अध्यक्ष अनिलकुमार मिश्रके सभापतित्वमे कार्यक्रम सम्मपन्न भेल ।

महासंघ धनुषाके सचिव पुरन साह रौनियारद्वारा सञ्चालीत कार्यक्रममे वार्षिक कार्ययोजना,सांगठनीक प्रतिवेदन प्रस्तुत कएलाह । अध्यक्ष मिश्रके दोसरकार्यकालमे महासंघमे अखनुधैर भेल आय-व्ययके लेखा-जोखा कोषाध्यक्ष अवधेश कामत प्रस्तुत कएलाह । प्रस्तुत आय-व्ययमे आयस’ अधिक व्यय भेल देखाएल छै । मुदा रकम असुल उपर करब शेष रहने खर्चस’ अधिक आम्दानी रकम रहल ओ तथ्यांक प्रस्तुत कएलगेल । जे, सर्व सम्मतिस’ पारित भेल बात दूरभाष पर सीमाञ्चल समदियाकेँ जनतब देलगेल छै ।

आर्थिक प्रगतिके जनतब सहभागी पत्रकारसभकेँ करबैत कोषाध्यक्ष कामत २४ लाख २१ हजार ६ सय १३ टाका आम्दानी भेल । एवं निर्माण आदि विभिन्न कार्यमे २५ लाख ५ हजार १ सय १७ टाका खर्च भेल अधिवेशनमे सहभागी सभकेँ करौलाह । हुनक कहब अनुसार विभिन्न निकाय एवं सहयोगी वचनबद्ध भेल अनुसार ५ लाख३० हजार टाका असुल उपर करब बांकी छै । अइ हिसाबे महासंघ धनुषा आर्थिक रुपस’ घाटामे नइ फैदामे रहल सेहो तर्क देलगेल छै ।

कार्यक्रममे विशेषअतिथिके रुपमे पधारने नेपम धनुषाके पूर्वअध्यक्ष एवं वर्तमानमे प्रदेश दूके संसद रामआशिष यादव, केन्द्रिय एवं प्रादेशीक पदाधिकारीसभ शितल महतो (केन्द्रिय सचिव), राजेश मिश्र (केन्द्रिय कोषाध्यक्ष), गायत्री मिश्र रिंकू (प्रदेश दूके उपाध्यक्ष),   अग्रज पत्रकार बिष्णुमणि खनाल आदि प्रमुख वक्ताके रुपमे पत्रकारीता आ पत्रकारकेँ सम्बन्धमे अपन-अपन सारगर्भिक विचार रखने छलाह । महासंघ धनुषाके अध्यक्ष मिश्र सातवर्षके कार्यकालमे ई चारिम साधारणसभा कुशलतापूर्वक समापन कएलाह । ओहि हेतु सभकेप्रति ओ आभार व्यक्त कएलाह ।ओना किछु विषयके ल’क’ आपसमे गहमा गहमी समेत भेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
स्वर्ण व्यवसायीसभ भरल सभामे सपथ खयलाह
२०७९ आश्विन १६, आईतवार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया