सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । जनकपुर-ढल्केबर प्रमुख मार्गमे संञ्चालित एकटा कारखानामे कार्यरत् भारतीय कामदारकेँ कोरोना संक्रमणके कारण मृत्यु भेल छै । नेपालके धनुषा जिला क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका वार्ड नं.३ रमदैया गाम स्थित लोमस प्यारेन्टल एण्ड फोर्मुलेशन प्रा.लि. नामक कारखानामे भारतीय कामदार कार्यरत् छल ।
कोरोना महामारीके वर्तमान समयमे कार्यरत् ६५ वर्षीय भारतीय पुरुष कामदारके मृत्यु पछाइत बृहस्पतिदिन बेरियामे नेपाली सेनाद्वार सलामी सहित शव ब्यवस्थापन कएलगेल छै । भारतके आन्ध्रप्रदेश राज्यके बिशाखापट्टनम् शहरके रहनिहार कामदार घर कारखाना अन्तर्गत निवासमे रहैत आएल छल । बुधदिन ओ कोठलीमे मृतावस्थामे भेटल ।
कोरोनाके लक्षणसभ देखल गेला पर मृतकेँ जनतब स्थानीय प्रशासनकेँ कराओल गेल छल । ओकराबाद स्वाब संकलन कएलगेल छल । प्रादेशिक जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला जनकपुरधाममे परीक्षण कएलाह पर ‘रिपोर्ट पोजेटिभ’ आएल जनतब प्रदेश दूके सामाजिक विकास मन्त्रालयद्वारा जनतब देलगेल छै ।
क्षीनपा अन्तरगत महेन्द्रनगरस’ पुरुब महेन्द्रनगर एवं ईच्छापुरके बीचमे बहैत जलाइद नदीकातमे कोरोना संक्रमणस’ मृतक भारतीय कामदारकेँ शव डोजरस’ खैनक गाड़ल गेल छै । अइसंगे बितल चौबिस घण्टामे ६ गोटे थप मरल छै । अइ लगाक नेपालमे कोरोनाभायरसकेँ संक्रमणके चपेटमे पैरक’ मरबालासभके संख्या कूल-२सय५७ पुंगल छै । ई बात स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके प्रवक्ता डा.राजेश्वर गौतम नीयमीत प्रेस सम्मेलनमे बतौलाह ।
प्रतिक्रिया