नेकाँ महोत्तरी३के क्षेत्रीय निर्वाचन सेहो बिबादित, नेता तिवारीप्रति दोषारोपन

२०७८ मंसिर १८, शनिबार १०:५५
सीमाञ्चल समदिया

  • 277
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेसके र्चौदहम् महाधिवेशन लेल देशभैरके नगर,वार्ड आदिके अधिवेशन पछाइत प्रदेश-२के महाधिवेशन करब कार्य नइ होइते प्रतिनिधि छनौटमे ठाम-ठाम बिवाद घमाशान होइत आएल छै ।

पार्टी नीयम नीति विधान सिधान्त एककात आ अगुवा, नेताकेँ कार्य-व्यहार अपन तरहक मनपर्दी भरहल छै । तेकर बिरोधो जारी छै ।
अखनु फेर टटका उदाहरण महोत्तरीक्षेत्र नं.३के प्रतिनिधि चयनमे देखल गेल छै ।

पुरनका काँग्रेसी नेता क्षेत्रीय सभापति रामचन्द्र तिवारीकेँ मनपर्दी बिरुद्धमे नेकाँके युवा नेतासभ खाड़ भेल छैथ । मिथिला नगरि जनकपुरधाममे अखनु पत्रकार सम्मेलन मादे महोत्तरी जिला सचिव एवं जलेश्वर नगर सभापति अशोक साह सहित मनोज, जयकुमार चौधरी गलत प्रकृयास’ प्रतिनिधि छनौट कएने प्रति आपत्ति जनाने छैथ ।

‘‘ महोत्तरी मनरा सिसवा नपाके वार्ड नं.८मे गलत सदसयताके प्रवेश कराक, मतदान कराक नामाबली पठाबके काज कएला पर ओतह मतदान रद्द भेल छल । एहेमाघ-१५ क्षेत्रीय अधिवेशन शुरआत भेल । पीपरा इस्कूलमे २बजेस’ खुलासत्र कराओल जाएमे, सभपक्षके सहमति भेल सहमतिमे सभ काज कएल जाए ।

तेकराबाद क्षेत्रीय सभापति तिवारी बाहरस लोकके बजाक समेतके गुटबाजी बदमासी कराबके काज सुरु कएलाह । होइत हबाइत सांझ पैरगेल । फेर हमसभ कहलिऐ आइ स्थगन कएल जाए । १६ गते दुनुपक्ष बैसक करब सहमति बनल ।

हमसभ परदेश कार्यक्रममे सामेल हुअ जनकपुरधाम आइब गेली । कोनो तरहके जनतब नइ भेटल क्षेत्रीय अधिवेशनके लेल । तेकराबाद सिधे किछु मीडीयामे प्रमाणपत्र समेत वितरण करैत समाचार पढ़मे आएल । जे अव्यवहारिक, पार्टीके नीति-सिद्धान्त गैरवैधानिक कार्य कएल गेल छै ।’’ पत्रकार सम्मेलनमे नेकाँ जिला सचिव शम्भु पाठक एवं नगर अध्यक्ष अशेक साह बजलाह ।

पत्रकार सम्मेलनमे नेकाँ महोत्तरी जिला सचिव शम्भु पाठक एवं जलेश्वरनगर अध्यक्ष अशेक साह ।

हमसभ इन्तजारमे छली, आब मिटिङ्ग बजाओल जाएत तब बजाओल जाएत । लबीगत हिसाब हमसभ उम्मेदवारी दितीऐ । जौं सहमति होइत त’ निच्चाउपर क’कड तालमेल मीलाक दूनुपक्ष जइती । मुदा से नइ कएलगेल । हमसभ ताकमे रैहगेली ।

हमरासभ गुट फोरके हिसाबस’ दू गोटेकेँ सेहो सामेल करैत छनौट कार्य कएने हय । निर्वाचन अधिकृत धिरेन्द्र मण्डलकेँ अपहरण क’क’ बलजप्ती प्रमाणपत्र पर सही छाप कराओल गेल छै ओ बात स्वयं निर्वाचन अधिकृत लीखित रुपमे पत्र जारी कएने छै । ई नेपाली काँग्रेससन लोकतान्त्रिक विचाराधाराके सबल पार्टीके लेल नीक नइ छै । सचिव पाठक सेहो खुलस्त कएलाह ।

‘‘हम जहिए नगर अध्यक्षमे तिवारीस’ पचास मत अधिक लाइबक जीतली , तहिए स’ हुनका खटक लगलै । हमरा आब आगा अपना अनुकूल मनपर्दी चल नइ देत । से बात कहैत नेकाँ नगरअध्यक्ष साह कोनो पदके लेल पहिने मनोनयनपत्र दर्ता होइत छै । तब चुनाव वा सहमति भेला पर वीजयीके प्रमाणपत्र देल जाइत छै ।

मतदान अधिकृत धिरेन्द्र मण्डलकेँ लीखित रुपमे पत्र  ।

मुदा मनोनयपत्र दर्तो नइ छै तेहनसभकेँ विजयी भेल प्रमाणपत्र बलजप्ती मतदान अधिकृतके माइरक धमकाक देलगेल छै । जेकराहमसभ अमान्य करैत छी । पुन महोत्तरी ३के क्षेत्रिय निर्वाचन कराओल जाए ओ मांग करैत छी ।

संगेसंग क्षेत्र नं.३के सदरमुकाम सेहो जलेश्वर पड़ैत छै तैँ क्षेत्रीय अधिवेशन जलेश्वरमे हुअ चाही सेहो बात जोरशोरस’ ओ उठौलाह । अहि तरहें देशभैरमे आपसी विवाद, नेतासभबीच गुटबाजीके कारण १६ जिलामे नेकाँके नगर,जिला,क्षेत्रक अधिवेशन नइ हुअ सकल छै । चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा ३मे, ६.३० बजेके टटका मत परिनाम ।
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १९:१३
सीमाञ्चल समदिया