नेकाँ प्रदेशसभापतिमे रौतहटके कृष्णा यादवके उम्मेदवारी घोषणा

२०७८ मंसिर १७, शुक्रबार १२:३५
सीमाञ्चल समदिया

  • 27
    Shares

सीमाञ्चल समदिया ,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेसके प्रदेश-२के सभापति लेल रौटहट जिला निवासी कृष्णदेव यादव सेहो चुनावी मैदानमे प्रतिस्पर्धा लेल उतरके घोषणा पुरापुरी तामझाम समर्थके जुटान क’क’कएलाह ।

आइ शुक्रदिन बेरियामे पार्टी समर्थक नेता,कार्यर्तासभ संग मिथिला नगरि जनकपुरधाममे पत्रकारसभ समक्ष चुनावी मैदानमे उतरब घोषणा कएलाह । अइस’ पहिने धनुषाक्षेत्र नं.३स’ निर्वाचित प्रदेशसभा सदस्य एवं नेपाली काँग्रेस धनुषाके पूर्वसभापति रामसरोज यादव उम्मेदवमरी घोषणा कएने छलाह ।

गुजरामाइ नगरपालिकाके मूलवासी, रौतहट निर्वाचनक्षेत्र नं.४ स’ जितल सांसद एवं नेकाँके क्षेत्रीय सभापति समेत रहल कृष्णा यादवकेँ नेकाँ भितरकेँ सभगुटके समर्थन रहल दाबी पत्रकार सम्मेलने कएलगेल ।

पार्टीके आओर पक्ष-गुटस’ तालमेल क’क’ सभकेँ संझिया उम्मेदवारके रुपमे रहब ओ प्रयास रहत । पत्रकार सम्मेलनमे नेकाँ केन्द्रिय सदस्य एवं प्रदेश अधिवेशन संयोजक रमेश रिजाल दाबी संग बतौलाह ।

काँग्रेसके धनुषाली धाकर नेता बिमलेद्र निधि बाहेक सभ गुटकेँ नेता कार्यकर्ताकेँ हेंज पत्रकार सम्मेलनोमे सामेल देखल गेल छै । अइस’ नेकाँ भितरके राजनेतिक स्पष्ट संकेत करैत छै शेरबहादुर देउवा समेतके समर्थन कृष्णाके प्राप्त छै आ बाजी माइरिए लेताह ।

पत्रकार सम्मेलनमे नेकाँ नेता महेन्द्र यादव,आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना,रमेश रिजाल,कार्यक्रम अध्यक्ष अभय शर्मा, उम्मेदवार कृष्णा यादव ।

पत्रकार सम्मेलनमे नेकाँ सम्बद्ध अग्रज नेतासभ आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना, महेन्द्र यादव, दिनेश प्रसैला, सन्तोषकुमार यादव, कुमारकान्त झा,प्रदीप यादव, पुष्पलता लामा, सहितक दर्जनो केन्द्रिय नेता सहभागी छल ।

जनकपुरधाम थापाचौक स्थित एकटा होटलमे भेल पत्रकार सम्मेलन, नेपाली काँग्रेसके भातृ संगठन नेपाल प्रेस युनियन धनुषाव्दारा आह्वान्वित छल । युनियन सभापति राजन सिंह मोसा दुर्घटनामे पैर गेलाके ओजहस’ का.वा.सभापतिके रुपमे अभय शर्मा ‘आशिष’के अध्यक्षतामे पत्रकार सम्मेलन कएल गेल ।  चित्रसभः नागवंशी/सीमाञ्चल 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया