सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेस धनुषा जिलाके नवनेतृत्व चयन हेतु मतदान भेल छल । मतदान गणना पछाइत काटझांट एहन देखारहल छै जाहिस’पुनः मतदानके सम्भावना बढ़ लागल छै ।
नेकाँके विधान अनुकूल जीतके लेल पचास प्रतिशत मतस’ एक्कहुटा मत अधिक आब चाही तखने वीजयी हुअ सकैए । पहिल चुनावमे खसल मतसंख्याके ५०५ प्लस (बद्दर मत बाहेक) मत नइ अएला पर बहुमत प्राप्त भेल नइ मानल जाएत,।
एवं दोहराक मतदान प्रकृया अपनओल जाएत । तैँं आधार पर अखनुधैरके मत परिणाम अनुसार सभापतिके तीनु उम्मेदवार मादे ककरो प्रष्ट रुपस’ विधान अनुकूल बहुमत नइ आबके सम्भावना देखार भेल छै ।
कूल चारिटा धनुषा जिलाके निर्वाचनक्षेत्र मादे २,३,४के निर्वाचन परिनाम घोषित भचुकल छै । १ नम्बरक्षेत्रके मतगण्ना जारी छै ।
सभापतिके उम्मेदवार योगेन्द्र पजियार, सन्तोषकुमार यादव, दिनेशप्रसाद यादव प्रसैला बीच क्रमशः त्रिकोणत्मक प्रतिस्पर्धा छै ।
निर्वाचन क्षेत्र नं.२ मे कुल मत ८०० छै एवं आठ सय मतदान भेल छै । जाहि मादे प्रसैलाके ४१०, यादवके १३८ एवं २२९ मत प्राप्त भेल छै । २३ टा मतपत्र बद्दर भेल जनतब भेटल ।
तहिना क्षेत्र नं.३मे पजियारके ४९५,यादवके ११०, प्रसैलाके ४० एवं बद्दर मत २३ टा भेल छै । क्षेत्र ३मे कूल ६६८ मत खसल छल । अहि तरहें क्षेत्र नं.४मे कूल मतदान ६९२ भेल । जाहिमे बद्दर मत ५६ टा निकलल ।
सभापतिके उम्मेदार सन्तोष यादवके पक्षमे २९२ ,योन्द्र पजियारके पक्षमे २६५ एवं दिनेश प्रसैलाके पक्षमे ८० मत मात्र क्षेत्र नं.४मे प्राप्त भेल छै । क्षेत्र नं.१के मतगणना जारी छै ।
क्षेत्र नं.१के अखनुधैर कूल ४००मत गणना कएल जा चुकल छै । जाहि मादे योगेन्द्र पजियारके- १३१, सन्तोष यादवके-१९२, दिनेश प्रसैलाके -४९मत प्राप्त भेल छै । संगहि-२९ मत बद्दर आएल छै से जनतब युवा पत्रकार समाज सुधारक सुरेश यादव देलाह ।
प्रतिक्रिया