सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेस धनुषा जिला जिला लेल नवनेतृत्व चयन हेतु शुक्रदिन पुनः मतदान सम्पन्न भेल छै । भिन्सर आगबजेस’ मदान प्रकया शुरु भेल एवं ७ बजेधैर चलल । भेटल जनतब अनुसार मतगणना कार्य आइए दशबजेस’ शुरु होएत ।
नेकाँके विधान अनुकूल जीतके लेल पचास प्रतिशत मतस’ एक्कहुटा मत अधिक आब चाही तखने सभापतिके रुपमे प्रतिस्पर्धी वीजयी हुअ सकैए । पहिल चुनावमे खसल मतसंख्याके ५०५ प्लस (बद्दर मत बाहेक) मत नइ अएला पर पुनः मतदानके अवस्था आएल ।
पुनः आइ मतदानमे सभापतिके सबल उम्मेदवार योगेन्द्र पजियार एवं सन्तोष यादव प्रतिस्पर्धामे उतरल छै । तेसर उम्मेदवारके रुपमे दिनेश प्रसाद प्रसैला उम्मेदवारी नइ देलाह ।
ओ पहिल चुनावबमे प्रतिस्पर्धामे तसर स्थान पर रहलाह । तैँ दोहराक भेल मतदानमे पजियारके समथैन बिज्ञप्ति मादे कएलाह ।
शुक्रदिनके निर्वाचनमे कूल २८१४ गोटे मतदाता मतदान कएलह ।
जाहिमादे धनुषा निर्वाचनक्षेत्र नं.१मे ६७१ मत, क्षेत्र नं.२ मे ६९६, क्षेत्र नं.३मे ६३४ एवं क्षेत्र नं.४स’ ५७८ गोटे मतदान कएलक । अपाङ्ग अशक्त सभलेल फराके मतपेटिका राखल गेल छल ।
जाहिमे अशक्त अपाङ्ग २६५ गोटै मीलाक कूलम् दू हजार आठ सय चौदह गोटे नेकाँ कार्यकर्ता मतदान कएलक । अहिस’पहिने एहे फागुन बितल २३गते भेल निर्वाचनमे कूल २९१२ गोटे मतदान कएने छल ।
आइ दोहराक भेल मतदानमे ओहिदिनके अपेक्षा९८ मत क खसल छै । नेकाँ धनुषा जिला समितिमे मतदानक अधिकार प्राप्त कार्यकर्ताके जम्मा संख्या ३०६९ टा छल ।
सभापतिके उम्मेदगर उम्मेदवार योगेन्द्र पजियार, सन्तोषकुमार यादवस’साढे चाइरसयमत अधिक माने १२४८ मत पजियार आनने छल । तैँ अहूबेर १७ सय जतेक मत आइन पजियार जीतबे करत ओ अटकल सहयोगी कार्यकर्तासभ अनुमान करहल छै । पहिलुका निर्वाचनमे सन्तोषकुमार यादव ८८३ एवं दिनेश प्रसैला ६३० मत प्राप्त मात्र कएने छल ।
प्रतिक्रिया