सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेस धनुषाके चौदहम् जिला अधिवेशन अन्तर्गत नवनेतृत्व छनौट हेतु सोमदिन निर्वाचन हुअ जारहल छै । जेकर सभ तैयारी पुरा भगेल छै । एकटा जिला सभापति दू-दूटा उपसभापति, सचिव एवं सहसचिव सहित ७५ सदस्यीय समिति कायम मतदान प्रकृया मादे हुअ जारहल छै । पार्टी भितरके तिन नेता दिसके तीनटा गुट-समूहस’ तीनखेमाके उम्मेदवार निर्वाचन मैदानमे उतरल छै ।
क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिकाके प्रमुख समेत रहल जोशगर होसगर नेता योगेन्द्र पजियार सभापतिकेँ उम्मेदगर उमेदवाररुपमे अग्रसर छैथ । हिनकापक्षदिस’ उपसभापतिमे लक्ष्मीनारायण यादव एवं गणेश झा उम्मेदवार छैथ ।
सचिवपदमे कन्हैयाकुमार कणर् आ देवेन्द्रकुमार भड़खेर एवं सहसचिवव्दयमे साकिर राइन आ विजयकुमार यादव रहल छैथ । नेकाँके धाकर नेता बिमलेन्द्र निधि गुटके उम्मेदवार हिनका सभके मानल जाइत छै ।
तहिना रामचन्द्र पौडेल गुटस’ सभापतिमे जुझारु नेता सन्तोष यादव, उपसभापतिमे सुरेन्द्रप्रसाद चौधरी ‘मुन्ना’, राम शोभित दाहा धानुककेँ उम्मेदवारी पड़ल छै ।
सचिवपदमे धीरेन्द्रमोहन झा एवं शिवशंकर प्रसाद गोइत रहल छैथ । तहिनाही सहसचिवमे महेशकुमार बस्नेता एवं इन्द्रकुमार महतो योग्य उम्मेदवार बनल छैथ ।
अहितरहें शेखर कोइराला गुटस’ सभापतिके कर्मठ उम्मेदवार दिनेश प्रसैला छैथ । नेता प्रसैला समूहस’ उपसभापतिके उम्मेदवारमे गणेशप्रसाद जयसवाल आ हरिशंकर साह छैथ ।
सचिवमे नवलकिशोर यादव, प्रभाकर झा उम्म्ेदवार छैथ । सहसचिवमे धर्मनाथ यादव एवं सुरेश कोइरालाके उम्मेदवारी पड़ल छै । केकर पलरामे जिलाके कमान जाएत ओ चुनाव पछइत स्पष्ट भजाएत । मुदा दलीय-पार्टीमे गुटबाजी सोहनर नइ बुझाइत छै ।
प्रतिक्रिया