नेकपा भितर पूर्व एमाले, माओवादीके मनपर्दी,खेमाबन्दी, गुटबाजी,यथावत

२०७७ कार्तिक ४, मंगलवार १६:५७
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के अगुवा नेता एवं कार्यकर्तासभके भेंटघांट कार्यक्रम भेल छै । मङ्गल दिन मिथिलानगरि जनकपुरधाम कलवारीकुट्टी स्थित धर्मशालाके प्रेक्षालयमे भेंटघांट कार्यक्रम भेल ।

नेकपा धनुषा जिला अध्यक्ष राजकिशोर यादवके सभापतित्वमे एवं नेकपा स्थायी कमिटी सदस्य पूर्वमन्त्री एवं धनुषाक्षेत्र नं४के निर्वाचित सांसद रघुवीर महासेठके प्रमुख आतिथ्यमे कार्यक्रम भेल ।

तत्कालीन नेकपा एमाले तथा एनेकपा माओवादी केन्द्र दूनु मीलक एकटा पार्टी बनल ‘नेकपा’ । पार्टी एक भैयोक धनुषा जिलामे खेमबन्दी, गुटबन्दी एमाले आ माओवादी धारजकाँ फरक फरक भितरीया रुपमे छैहे । ओ बात स्वयं कार्यकर्ता भेंटघाटमे सहभागी कामरेटसभके व्यक्त धारणस’ आपरुप प्रष्ट भेल छै ।

कार्यक्रममे पार्टीके धनुषा इन्चार्ज श्रवण बरबरिया अपन धारना राखैत बजलाह‘‘ पार्टी छोइरक जाएब , कोनो जुइत नइ छजला पर फेर घुइरक आएब आ अप्पन जुइत चलाएब ओइ हेतु षडयन्त्र करब , तेहन षडयन्त्रकारीके चिन्हित करहि पड़तै !

स्थायी कमिटि सदस्य महासेठले बजलाह , ‘ जिनका पार्टीप्रति पहिनहुँ कोनो दरेग नइ छल, छोइरक गेल । पुनःघुरल सुधैरक आएलहोएत बुझल, तैयो माया नइ छै , ओहन कामरेडसभकेँ अखनो पार्टी प्रति माया छै की नइ देखाब त’ पड़तै ! प्रश्न कएलाह ।

पार्टीके नीयम नीति विपरित जिला इन्चार्ज, जिला अध्यक्ष समेतकेँ कोनो मोजर नइ दैत अपन अनुकूलके गतिविधि सञ्चालन करैत आएल छै । एहन प्रश्न बैसारमे उठला पर उक्त नेताद्वय अपन अपन तर्क राखैत कहलाह ।

फेर नेकपा नेता महासेठ पार्टीके मर्म आ जनभावना मुताविक अपन-अपन क्षेत्रमे जनहितकारी काज करु । पार्टीके आओर मजगुती प्रदान कएल जाए । नेकपा नेता पूर्वमन्त्री महासेठ भेंटघांट कार्यक्रममे सहभागी कामरेडसभकेँ कहलाह ।

नेकपा केन्द्रिय सदस्य एवं धनुषा जिला इन्चार्ज श्रवण बरबरिया, प्रदेश कमिटी सदस्य एवं प्रदेश सांसद रामचन्द्र मण्डल, केन्द्रिय सदस्य एवं मिथिला नगरपालिकाके मेयर हरिनारायण महतो,शहिदनगर नपाके मेयर उदय बरबरिया यादव, मिथिला विहारी नगरपालिकाके मेयर अनिलकुमार यादव, मुखियापट्टी मुसहरनियाँ गापाके अध्यक्ष मनोज यादव, सहित श्रीलाल महासेठ, विमल साह नेकपा सम्बद्ध स्थानीय, जिलागत एवं क्षेत्रीय सक्रिय नेता कार्यकर्तासभ जमघटमे जुमल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

उजी रे उजी, चमकैत सड़क पर जमलक पानि
२०७९ जेष्ठ २८, शनिबार १०:३१
सीमाञ्चल समदिया
बिपती मण्डलव्दारा जीवहत्या अन्त अभियान शुरु
२०७९ जेष्ठ ७, शनिबार ०६:३६
सीमाञ्चल समदिया
नवकाघरकेँ खोजीमे नेकाँ नगरअध्यक्ष साहः चौबिसघण्टाके चेतौनी
२०७९ बैशाख ७, बुधबार १३:५३
सीमाञ्चल समदिया
निर्वाचन आइबते कलमी लठैतसभकेँ खोज-पुछ शुरु
२०७८ चैत्र १३, आईतवार १६:१७
सीमाञ्चल समदिया
बहुमतीय प्रणालीस’ गठित नेकपा एमाले नगरकमिटी आधिकारिक रहल दाबी
२०७८ फाल्गुन २१, शनिबार ०७:१८
सीमाञ्चल समदिया
देउवा समूहके आधिकारिक उम्मेदवार सन्तोष यादव
२०७८ माघ १, शनिबार १७:०४
सीमाञ्चल समदिया