सीमाञ्चल समदिया ,
जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेके दशम् महाधिवेशन चित्तवन जिलाके सदरमुकाम चित्तवनस्थित नारायणी नदिके मोहार पर ६ दिन पहिने उद्घाटन भेल ।
तेकराबाद बन्द सत्रस’ पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीद्वारा नव नेतृत्व सम्बन्धि प्रस्तुत प्रतिवेदन पर सर्वस्म्मतिस’ बहुतराश पदमे पदाधिकारी चयन भेल ।
अध्यक्ष, सचिव, महासचिव, उपाध्यक्ष लेल गोप्यमतदान प्रकृया मादे छनौट करए पड़ल छै । अध्यक्षपदमे भिम रावल एवं पार्टी कमान सम्हारक ओलीबीच चुनावी प्रतिस्र्धा भेल ।
जाहिमे मङ्गलदिन आएल मतपरिणाम अनुसार रावल २२४ मत मात्र प्राप्त करए सकलाह । २२४के बिरुद्ध पार्टी अध्यक्ष ओली १८४० मतके भारी अन्तरस’ अध्यक्ष पदमे निर्वाचित भेलाह ।
एकटा अध्यक्ष, एकटा बरिष्ठ उपाध्यक्ष, एकटा महासचिव, तीनटा उपमहासचिव, छओटा उपाध्यक्ष, सातटा सचिव सहित १९ सदस्यीय केन्द्रिय समितिके पदाधिकारीमे एकटा मात्र मधेशी समुदायक नेता रघुवीर महासेठ सचिव पदमे निर्वाचित भेलाह । अइस’ एमाले भितर खशबादी हाबी रहल स्वतः प्रमाणित होइत छै ।
घोषित परिनाम अनुसार नेकपा एमाले केन्द्रिय समितिमे निम्नांकित अनुसारके पदाधिकारी छनौट भेल छैथ । ओना सदस्य एवं लेखा समिति सहित ३०१ सदस्यीय केन्द्रिय कमिटी कायम कएलगेल छै । अधिकांश पदमे निर्विरोध छनौट भेल छै । पार्टीव्दारा जारी प्रतिवेदन आधार पर जेकर विवरण देखल जासकैए ।
१. अध्यक्ष ः केपी शर्मा ओली
२. बरिष्ठ उपाध्यक्ष ः ईश्वर पोखरेल
३. उपाध्यक्ष ः युवराज ज्ञवाली
४. उपाध्यक्ष ः अष्टलक्ष्मी शाक्य
५. उपाध्यक्ष ः सुभाषचन्द्र नेम्बाङ
६. उपाध्यक्ष ः सुरेन्द्र पाण्डे
७. उपाध्यक्ष ः बिष्णु पौडेल
८. उपाध्यक्ष ः रामबहादुर थापा
९. महासचिब ः शंकर पोखरेल
१०. उप महासचिव ः पृथ्वीसुब्बा गुरूङ
११. उप महासचिव ः प्रदीप ज्ञवाली
१२. उप महासचिव ः बिष्णु रिमाल
१३. सचिब ः गोकणर् बिष्ट
१४. सचिब ः योगेश भट्टराई
१५. सचिब ः टोपबहादुर रायमाझी
१६. सचिब ः लेखराज भट्ट
१७. सचिब ः छबिलाल बिश्वकर्मा
१८. सचिब ः पद्मा अर्याल
१९. सचिब ः रघुबीर महासेठ
प्रतिक्रिया