नीजीस्तर पर सुविधा सम्पन्न अस्पताल  सञ्चालन भेल

२०७८ भाद्र ४, शुक्रबार १८:२८
सीमाञ्चल समदिया

  • 32
    Shares
सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । अनेको अस्पताल रहितो ठोसगर भरोसगर एकटा अस्पताल नीजी स्तर पर मिथिला नगरि जनकपुरधाममे सुविधा सम्पन्न अस्पताल सञ्चालनमे आएल छै । सञ्चालनमे आएल अस्पताल “जनकपुर मेडिकेयर” नामाकरण कएलगेल छै ।
जनकपुरधाममे अनगिनत स्वास्थ्यसेवा केन्द्रसब रहितो सुविधा सम्पन्न अत्याधुनिक अल्ट्रासाउण्ड सहितक सुविधासंग OPD सेवा प्रदान कएल जाए बास्ते अस्पताल सञ्चालनमे आनल गेल छै ।  सञ्चालनमे आयल जनकपुर मेडिकेयरमे बौवाबुच्चीक उपचार, अल्ट्रा साउण्ड सेवा, विश्वसनियतासंग अन्य सेवा प्रदान कएल जाएत बात डा.विवेक सिंह बतौने छै ।
जनकपुरधामके  रंगभूमी मैदान बारहविग्घास उत्तर-पुरव कोन्हमे थापाचौक जायबला बाटमे सुहृदय पुस्तकालयके सटले भवनमे अत्याधुनिक अल्ट्रासाउण्ड आ बाल उपचार सहितके सेवा संग अस्पताल सञ्चालित भेल छै ।
 
सेवा प्रदायक  डा.शिल्की सिंह,                                                                        डा.विवेक सिंह
जनकपुर मेडिकेयरमे M.B.B.S.-M.D. नवजात शिशु तथा बालरोग विशेषज्ञ डा.शिल्की सिंह आ M.B.B.S.-M.D. Consultant Radiologist डा.विवेक सिंह अस्पतालमे अखनु मुख्य रुपस’ सेवा प्रदान करताह ।
उच्च शिक्षा हासिल कएलाक बाद अपन भूमी छोईरक अखनु मुख्य रुपस’ आन देशमे जाक श्रम करब अधिक टका कमाएब एहन प्रबृति समाजमे दिनानुदिन बढ़ैत जारहल छै । मुदा अहि प्रथाक नइ अपनाक सेवाभावि विचार राइखक ; अपन समाजसेवी चिकित्सक पिताके भांति स्वयं सेहो जनसेवाके पहिल प्राथमिकतामे राइखक अस्पताल सञ्चालनमे अनलाह डा.विवेक !
अपन पिता जनकपुरक्षेत्रके सुप्रसिद्ध  चिकित्सक डा.विजयकुमार सिंहके प्रेरणास अपने माईट-पाईन आ भूमीपर रहीक प्रदेशवासीके सेवा करब उदेस्यसंग कर्मक्षेत्र जनकपुरधाम चुनने प्रष्ट धारना डा.विवेक रखलाह ! ज्ञातब्य जे डा.शिल्की सिंह आ डा.विवेक सिंह  बरिष्ट चिकित्सक डा.विजयकुमार सिंहके पुत्र एवं पुत्रबधु छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
कैंसररोगीके नयांजीवन हेतु नवजीवन सेन्टर सञ्चालनमे अनलक
२०८० श्रावण ६, शनिबार १८:३३
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
नीक होबबाला क्षयरोगःचेतनाके अभावमे हजारो मरैत
२०७९ चैत्र १०, शुक्रबार २२:१५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया