निषेधाज्ञा पालनमे जनकपुरधाम जन–भल लेल केओ नइ

२०७७ श्रावण २०, मंगलवार १०:४१
सीमाञ्चल समदिया

  • 27
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
स्थानीय प्रशासनद्वारा मंगलदिनस’ लगाओल गेल निषेधाज्ञाकेँ कारण जनकपुरधाम बन्द रहल । पहिल दिनके बन्दीमे लोकबन्दीकेँ पूर्णपालन करैत अपन–अपन घर–गृहमे समय बितारहल छै । लोक अहूदुवारे घरमे कैद रहब लेल बाध्य बनल, सोमेदिनस’ प्रचण्ड रौद एवं गर्मी अधिक रहल छै ।


कोभिड–१९कोरोना संक्रमितकेँ संख्या दिनानुदिन बढ़ैत गेला पर लोक–समाज चिन्तीत बनल छै । मुदा चिन्ता अनुसार लोक सचेतना अपनाब नइ सैक रहल छै । तकर बहुत राश कारण छै । तकर मूल कारण छै अभाव ! जनताके सरकार जनताप्रति सेहो जवाबदेहीता इमान्दारीसंग निमाहबमे बहुत पाछा छै । तैं जनतामे निरासा स्वाभाविक भगेल छै ।

जनताके नाम पर सत्तामे सन्हियाएल आ प्रतिपक्षीमे सामेल दल समेत एवं ओरक नेता जनताकेँ निशोधाह कएने छै । भगवान भरोसे आमजनता काहि कटैत बाँच’ पर विवस छै । जनताकेँ पीड़ाके देख’ सुन’ बुझ’ गमबाला केओ नइ !अपन दैनिकी खेबा–खर्चाकेँ पूर्तिलेल लोक कोनो धरानीस’ कोरोना महामारीयोकेँ समयमे बेपरवाहीस’ लागल रहैत छै ।

कोरोना महामारीकेँ डर साफे नइ होए तेहन कार्य व्यवहार जानियोक आ मजबूरीवस सेहो लोक करैत छै । जाहिस’ जनसेवक सरकारक टहलु प्रहरी प्रशासनीक लोककेँ सेहो अपन काज करबमे कठिनाइ होइत छै ।


जनभल लेल मिथिला नगरी जनकपुरधाममे स्थानीय प्रशासन निषेधाज्ञा माने कार्फु लगाबके काज कएलक । साओन २०गते मङ्गल दिनस’ नगरक्षेत्रमे एकसप्ताह लेल कार्फु आदेश प्रशासन जारी कएने छै ।दूलाख जतेक जनसंख्याबाला जनकपुरधाममे कोरोना माहामारी समुदाय स्तरमे फैलल जारहल छै, ताहिके रोकब लेल प्रशासन कार्फु आदेश एकटा बिकल्पके रुपमे जारी कएलक । लोक कार्फु बेगैर मानहु बाला नइ छल । कोरोना संक्रमणकेँ चयनकेँ तोड़ब लेल ई आवश्यको छै ।

अइस’ उद्योगी, बेपारी आ सर्वसाधारणकेँ कठिनाइ त’ होएत मुदा रोगस’ बाचब उपाय लेल एहे उपाय ठीक रहने प्रशासन कार्फु लगौलक हमसभ एकर पालन करी ! चिकित्सकीय निर्देशकेँ पालन करैत घरमे रही सुरक्षित रही । अपनेस’ अपनाकेँ ख्याल राखी । हिम्मत नइ हारी । केओ देख आ सहारा दिअबाला नइ हय से माइनक चली ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
स्वर्ण व्यवसायीसभ भरल सभामे सपथ खयलाह
२०७९ आश्विन १६, आईतवार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया