निर्वाचन आइबते कलमी लठैतसभकेँ खोज-पुछ शुरु

२०७८ चैत्र १३, आईतवार १६:१७
सीमाञ्चल समदिया

  • 32
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । स्वतन्त्र पत्रकारिता लेल पत्रकारके स्वतन्त्र होएब अति आवश्यक छै । मुदा हमरासभके देशमे पत्रकारसभ सेहो दलके कारिंदा जकाँ कलमी लठैत भ’क’ विभिन्न प्रतिष्ठानमे काज करैत छै । ई बात ककरोस’ नुकाएल नइ ।

अखनु स्थानीय निर्वाचन एकमहिना पूर्व हुअ जारहल छै । दलसभस’ आबद्ध पत्रकारसभकेँ स्वाभाविक रुपस’ खोज पुजारि बेसी हुअ लागल छै । ओहि क्रममे आइ जनता समाजवादी पार्टी नेपाल,पार्टीके मधेश प्रदेशस्तरीय मिडिया परिचालन समिति गठन कएलगेल छै ।

स्थानीयतहकेँ निर्वाचनके लक्षित क’क’ दलगत प्रचार-प्रसार हेतु रविदिन समिति गठन कएलगेल जनतब भेटल । जसपाके अमरनाथ मण्डलके नेतृत्वमे गठन कएलगेल मिडिया परिचालन समिति १३ सदस्यीय कायम कएलगेल छै ।

समितिके प्रदेश संयोजकमे सर्लाहीके पत्रकार मनोज यादवकेँ चयन कएलगेल छै । जाहि समितिके सदस्यसभमे सप्तरी जिलास’ वृजमान तामाङ्ग, सिरहास’ अमरेन्द्र यादव, प्रेमशिला यादवकेँ चयन कएलगेल छै ।

रौतहटस’ किशोरी यादव, बारास’ रामविनय साह, पर्सास’ आर.के.पटेल, महोत्तरीस’ नागेन्द्र यादव एवं धनुषा जिलास’ माला राय, वीरेन्द्र साह आ आरती मण्डलकेँ राखल गेल छै । संगेसंग सदस्य-सचिवमे स्मृति मिश्राकेँ चयन कएलगेल छै ।

जखन देश आ समाजके सत्यतथ्य बात निश्पक्षतापूर्वक सञ्चारसाधनके मादे परोइसक निकासी बाट देखाबके काज करबाला पक्ष सेहो दलवादी दल ढोलकीय भजाए तखन बेरागर्क होएब स्वाभाविक छै ।

सञ्चार साधनके वर्तमान युगमे जनताके सूसुचित हुअके नैसर्गिक अधिकारके पालन कतेक पत्रकार वा सञ्चारकर्मी कतेक इमन्दारीस’ करैत छै ओ समाज देख रहल छै । जेकर परिणाम सोकजगर नइ आइब रहल छै ।

दलीय आवरणमे चलबाला सञ्चारक्षेत्र सञ्चारकर्मीके ओजहस’ जनभरोस गुइम रहल छै । राष्ट्रके चारिमअङ्ग भंगैठ रहल छै । सञ्चारक्षेत्रे फोक भरहल छै तखन सञ्चारकमीृ कोना निसन्न रहत ओ चिन्तनीय बात छै ।

तेहनासन अवस्थामे जनअपेक्षा कतेक पूर्ति होएत, करत ओ हमरासभ देखिए रहल छी । पत्रकारिताके ‘प’, सञ्चारक्षेत्रके ‘स’ नइ जानबाला सम्पादक सम्वाददाता भ’क’ सरकारी मिडियामे सेहो नियुक्त भजाइत छै ।

सुच्चा एवं खाँटी पत्रकारके चुप्पी सधादेल जाइत छै । अथवा कतिया देल जाइत छै, दलबादी ढोलकीयासभकेँ कारण । तैँ कमस’ कम नेतशुद्धा एवं सुच्चा सञ्चारकर्मीसभकेँ दलीयकलमी ठलैतसभ बिरुद्ध मोर्चाबन्दी बिरोध जरुरी छै ।

मात्र पेशागत मान-मर्यादालेल नइ, स्वच्छ निश्पक्ष एवं मर्यादित जनसोकजगर पत्रकारिता हेतु दलसभव्दारा कायम सञ्चारिक प्रतिष्ठान    ( शुभेच्छुक संगठन, बर्गिय संगठन, भातृ संगठन)सभकेँ निरस्त कएल जाए चाही । एहिलेल स्वर बूलन्द कएल जाय, तेकर दरकार छै !

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा ३मे, ६.३० बजेके टटका मत परिनाम ।
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १९:१३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
धनुषाक्षेत्र तिन(क)मे जनमतके झाके प्रारम्भिक अग्रता
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १२:५९
सीमाञ्चल समदिया