जनकपुरधाम । आगामी निर्वाचन सम्बन्धमे सञ्चारकर्मीसभबीच मिथिलानगरि जनकपुरधाममे आइ शुक्रदिन ‘प्रदेश स्तरीय मिडिया अभिमुखीकरण कार्यक्रम’ कएलगेल छै ।
आगामी अगहन-४गते होबबाला प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभा सदस्यके निर्वाचनमे मिडिया, मिडियामैनके भूमिकापर केन्द्रित आधादिवसीय कार्यक्रम कएलगेल छै ।
निर्वाचन आयोग नेपालके आयोजनामे एवं नेपाल सरकारके आधिकारिक समाचार एजेन्सी ‘राष्ट्रिय समाचार समिति’(रासस)के सहकार्यमे कार्यक्रम जनकपुरधाम शिवचौक स्थित एकटा होटलमे कएलगेल ।
निर्वाचन आयोगके आयुक्त सगुन शम्शेर जङ्ग बहादुर राणाके सभापतित्वमे अभिमुखीकरण कार्यक्रम भेल । आधासयस’ उपरके संख्यामे जुमल पत्रकारसभबीचके कार्यक्रममे ‘निर्वाचन आ सञ्चार’ विषयक कार्यपत्र आयोगके सहसचिव यज्ञप्रसाद भट्टराई प्रस्तुत कएलाह ।
कार्यक्रममे राससके सम्पादक कृष्ण अधिकारी मादे ‘निर्वाचनमे मिडिया एवं मिडियामैन(पत्रकार)के भूमिका’ विषयक कार्यपत्र प्रस्तुत कएलगेल ।
पत्रकार आचार संहिताके संगेसंग निर्वाचन आचार संहिताके पालन सञ्चार जगतके कोना आ कोन तरहें कएल जाय एवं कराओल जाय चाही । ओ बून्दागत विषय पर जनतब सहभागीसभके कराओल गेल ।
स्वच्छ निष्पक्ष भयरहित वातावरणमे मतदान होए ओहिके लेल सञ्चारजगतके भूमिका अतिमहत्वपूणर् होइत छै । कार्यक्रममे ओहो कर्तव्यबोध एवं मानवाधिकारके पालन करैत समाचार सम्प्रेशन कएल जाय हेतु कार्यक्रममे सहभागी प्रमुख वक्तासभव्दारा आग्रह कएलगेल ।
मधेश प्रदेशके मुख्य निर्वाचन अधिकृत ब्रजेश प्याकुरेल, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके कार्यवाहक अध्यक्ष अवधेश कामत, प्रदेश निर्वाचन अधिकारी श्रीधर पन्थी प्रमुख वक्ताके रुपमे अपन-अपन धारना रखलाह । भिन्सर ९ बजे शुरु भेल कार्यक्रम दिनमे दू बजे समापन भेल छल ।
प्रतिक्रिया