जनकपुरधाम । प्रेस तथा प्रजातन्त्र सेनानी बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली बेमार पड़ल छैथ । हुनकर स्वास्थ्य अवस्था बुझ-गम लेल ‘राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी’ पाँच सदस्यीय समूह आएल छल ।
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर चर्चित दल रास्वपाके उपाध्यक्ष एवं पूर्व श्रममन्त्री डी.पी.अर्याल नेतृत्वमे सेनानी बरिष्ठ पत्रकार नेपालीके घरमे दर्शन भेंट करब हेतु पुगल छल ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३के बेला गाममे नेता अर्याल स्वास्थ्य अवस्था बारे जनतब लेलाह एवं शिघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना कएलाह ।
हुनका संगे रास्वपाके धनुषा अध्यक्ष तपेश्वर यादव, संसद अशोकर कुमार चौधरी, पार्टीक सचिव सहितके समूह काइल्खन बेरियामे तीन बजे पुंगल छलाह ।
अपना दुरा पर अतिथिगणकेँ पुंगला पर सेनानी नेपालीके पुत्र एवं जनकपुरधाम वार्ड-२३के वार्ड अध्यक्ष राघबेन्द्रप्रसाद साह गमछा ओढाक सम्मान कएलैन्ह । संगेसंग बरिष्ठ पत्रकार, सर्जक नेपालीव्दारा लीखत पुस्तकसभ सनेसके रुपमे उपहार देलैन्ह ।
जनकपुरधाममे सार्वाधिक सार्वजनिक महत्वक स्थान, कुट्टी, गुठ्ठीके भूमिसभ अतिक्रमण भेल आ भरहल छै । जाहिके नियन्त्रणमे हमरसभके सहयोग रहत । अपने बेलाकुट्टीके अतिक्रमण मुक्त अभियान चलौने छी हमसभ अपनास्तरस’ एवं सरकारी स्तरस’ सभ तरहें सहयोग करब हेतु तयार छी, ओ धारना नेता अर्याल बातचितमे ब्यक्त कएलाह ।
सर्जक नेपाली शारीरिक अवस्वथताके ओजहस’ ओछ्याओन पकरने छैथ । दैहिक दशा एहन भगेल छैन्ह जे ओ चैल बुइल नइ सकैत छैथ । राष्ट्रिय धरोरके रुपमे रहल नेपालीकेँ स्वास्थ्य अवस्था जान बुझ लेल प्रायः दिन कोनो नइ कोनो बिशिष्ठ लोक हुनक गाममे पुंगल करैत छै ।
प्रतिक्रिया