नवजीवन लेलक महिलाकेँ प्राण, घमाशानमे दश घाहिल

२०७७ श्रावण ३०, शुक्रबार ०७:४१
सीमाञ्चल समदिया

  • 13
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
मानव जीवनस’ धरल्लेस’ एतुका किछु अस्पताल खेलवार करहल छै । जनकपुरधाम रङ्गभूमि मैदानस’ उत्तर ब्रह्मपुरीमे किछुवर्ष पहिने सञ्चालनमे आएल नवजीवन अस्पतालक चरम लापरवाहीक कारण एकटा दलित महिलाकेँ प्राण छिना गेल छै । संगे आपसी घमासानमे एकदर्जन जतेक लोक घाहिल भेल छै ।


मानव रोगी भेलापर निरोग हुअलेल अस्पताल जाइत छै । मुदा, स्वस्थ जीवनके आशमे उपचारार्थ गेल लोककेँ मृत्युकेँ मूँहमे धकेल देल जाइत छै । तकर टटका उदाहरण ‘नवजीवन अस्पताल’के घटनास’ दोहराएल छै ।
अस्पतालमे उपचार लेल छओदिनस’ भर्ती ३५वर्षक दलित महिला रुकमीनीदेवी सदाकेँ बृहस्पति दिन साँझुक पहर सात बजेमे चिकित्सकीय लापरवाही कारणे मृत्यु भेल । मृतक महिलाके भतिजा जगतलाल दास देने जनतब अनुसार पेट पूmइल जाइत छलै । दर्द भेला पर उपचार लेल महिलाकेँ अस्पतालमे भर्ति कराओल गेल छल ।


‘‘रुकमीनीकेँ पेटमे अतंरी ओझरा गेल छै, अपरेशन कर पड़तै ! ठौआ जम्मा कराउ’’! अस्पतालमे डाक्टर,नर्ससभ कहलक ! आ अपरेशन सुरु क’ देलकै । अतंरी–भोंतरी बाहर निकाइल देलकै आ मृतक महिलाकेँ छात्तिपर राखि देल गेलै । तकराबाद कहैछै रकम जम्मा कराउ आ कहल अनुसार रकम तत्काले जमा नइ करौला पर ओहिना छोडि़ देलकै !


बादमे कहैए एतह ठीक नइ होएत बाहर लजाउ ! ताबतमे मैरगेल छलै । ‘‘ जौं ठीक नइ हुअबाला छलै त’ पेट कथिला चिरलकै ? किएक अपरेशन कएलकै ? पहिनही कहितै नइ ठीक होएत, बाहर लजाउ ! महिला मरिगेला पर ओहिना छोडि़क डाक्टरसब भाइग गेल । बादमे पेट सीलकै नइ कहब । ’’ कहैत रुकमीनीकेँ जाइनक माइर देलगेल छै । तेहन आरोप पीडि़तपक्ष जोरशोरस’ लगौने छै ।

महिलाकेँ मरलाबाद अस्पतालक डाक्टर कर्मचारी प्रायः सभ निप्ता भगेल । पीडि़तसभ जहिना दोषीकेँ कार्यवाही कएल जाए मांग करैत स्वर बूलन्त कएलक । लाश नइ लजाए लेल तयार भेल त’ अस्पताल दिशस’ प्रचालित किछु लोक दलितपक्षक मृतक परिवारिक लोकपर उन्टे इंटा पाथर फेकैत अस्पतालकेँ शीशासभ सेहो फोरलक ।

सुरक्षार्थ प्रहरी पुंगला पर स्थितिकेँ नियन्त्रणमे लिअ लेल प्रहरीके कनेक बल सेहो प्रयोग करए पड़ल । जाहिमे पीडि़त परिवारके दशटा जतेक लोक घाहिल भेल छै । ककरो माथ पूmटल छै, ककरो कपारमे चोट लागल छै , ककरो हात–टाङ्ग–बांही, गर्दनमे चोट लागल छै ।

म्होत्तरी जिलाके मूलबासी मृतक महिला जनकपुरधाम वार्ड नं.१मे रहैत आएल छलीह । महिलाकेँ श्रीमान् भारतमे कौरौनाक कारणे ठमकल छै । सेहो जनतब भेटल ।अस्पतालक चरमलापरवाहीके कारण रुकमीनी सदाकेँ मृत्य भेल, अइमे कोनो संख्का नइ कएल जासकैए । उपरस’ घटनाकेँ दबाबके काज सेहो अस्पतालद्वारा कएलगेल बुझाइत छै ।

बेसम्हार भेल मरिजक हालतकेँ सुधार नइ हुअबाला छल तखन किएक नइ समय पर रेफर कएलगेल । आधा हप्तास’ भर्ति क’क’ उपचार, फीस आदि अनेक नाममे रकम उगाहि करब नेतस’ अस्पतालमे धयने रहल । एहन बात आपरुप फरिछाएत छै, पीडि़तक तर्को छै । ई समाचार लीखबधैर शव अस्पतालमे छल । प्रहरी निगरानीमे लागल छै ।


अस्पताल प्रशासनक अगुवा डा.अवधेश घटना सम्बन्धमे अनभिज्ञता व्यक्त करैत हम बाहर छी, पता लगबैत छी की भेल छै ओ प्रतिकृया मात्र देलाह । महिलाकेँ पेटमे पत्थरी छल ओकर अपरेशन कएलगेल छल । जाहिमे पेटक किछु अतंरीसभ सेहो काइटक निकाललगेल दखौने मृतककँे भतिजा बतौलक ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
स्वर्ण व्यवसायीसभ भरल सभामे सपथ खयलाह
२०७९ आश्विन १६, आईतवार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया