नवकाघरकेँ खोजीमे नेकाँ नगरअध्यक्ष साहः चौबिसघण्टाके चेतौनी

२०७९ बैशाख ७, बुधबार १३:५३
सीमाञ्चल समदिया

  • 26
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । स्थानीय निकायके उमेदवार हेतु पाँचदलीय गठबन्धके सहमतीय निर्णय सार्वजनिक होइते । भावि मेयरकेँ आकांक्षी नेपाली काँग्रेसकेँ नगर अध्यक्ष पार्टीकेँ निर्णय २४ घण्टा भितर सुधार करब हेतु ध्यानाकर्षण करौने छैथ ।

व्यविचारी, भ्रष्टाचारी, दुराचारीके कोटामे मेयर पद द’क’ काँग्रेससन पुरान पार्टी अपने पयरमे अपन कुरहर मारब काज कएलक । हमरा एना नइ होए ओ अपेक्षा राखैत केन्द्रिय नेतृत्वके निर्णय सुधारल जाय हेतु २४ घण्टा दरखास्त देने छी !

जनकपुरधाम सन ठाममे काँग्रेस जेहन प्रजातन्त्रवादी पार्टीकेँ गठबन्हनके नाममे पाछा हटब भविष्य लेल सेहो नीक नइ रहतै ।

आशा मात्रे नइ पुरा विश्वास हय नेतृत्व वर्ग अइपर गम्भिर होएत आ निर्णय सुधार करत । साह सीमाञ्चल समदिया संगे कहलाह ।

जाहि रुपमे अहाँके तयारी छल जनताबीच स्वीकार्र्य भेल छलीय । तेहनमे नेतृत्ववर्ग अपने पाछा घसुकलास’ अहाँकेँ अपनो राजनीतिक भविष्य अन्हारमे धकलाएल नइ बुझइए ?

जे जनता हमरा चाहैत छै तिनकास’ बुझबै । अपन शिर्षनेतासबस’ बुझबै तेकरबाद किछु करबै । तहि दुआरे २४ घण्टे अल्टीमेटम देने छीऐ उतारा नगर अध्यक्ष साह देलाह ।

आब अहाँ की करबै ? बिद्रोही उम्मेदवार बनबै ? अहि प्रश्नक उत्तरमे मेयरकेँ सम्भावित उम्मेदवार नेकाँ नगर अध्यक्ष साह बजलाह —‘काँग्रेस गठबन्हनके नाममे अपन घरमे अपने आइग लगा रहल छै ।

घरमे आइग लाइग जाइत छै त’ लोक दोसर घर नइ बनबै छै ? अथवा नवका घरकेँ तलाश नइ करैत छै ?? प्रतिप्रश्न करैत कहलाह—“ चौबिस घण्टा बित दियौ तब नइ हमहुँ किछु खोजबै ” कहलाह ।

अन्यथा काँग्रेसमे बिद्रोह होएत ओकर सम्भावना हम देख रहल छी । सेहो बात नगर अध्यक्ष साह कहलाह । जनकपुरधामके मयर हेतु साह २०७४ सालमे काँग्रेसक सबल उम्मेदवार छलाह । अइबेर हिनक उम्मेदवारी पर जनता आशान्वित छल मुदा पार्टी अपने गठबन्हनमे पछुवा रहल छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया