सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके नगराइन नगरपालिकामे नवनिर्वाचित पदाधिकारी आइ पदिभार ग्रहण कएलाह ।
नगराइन नपा प्रमुख विनयकुमार यादव सहित वार्ड अध्यक्षसभ सेहो पदस्थापन कएलाह । बुददिन दुपहरियामे पदभार ग्रहण करैत प्रमुख यादव सातटा महत्वपूर्ण निर्णय कएलाह ।
ओहि निर्णयके आधार पर नगरके विकास आदि जनसेवी कार्य करताह ओ बचनबद्धता व्यक्त कएलाह ।
१. नगरपालिकास्तरीय स्वास्थ जाँच सम्बन्धि प्रयोगशाला ( Pathology laboratory) के व्यवस्थापन एवं संचालन क’क’ जनसेवा प्रवाह कएल जाएत ।
२. नगराइन नगरपालिका भितरके जेष्ठ नागरिक असहाय, विधवा (एकल महिला, गर्भवती, अति विपन्न वर्गकेँ प्रथमतः पोषण केन्द्रधैर निःशुल्क एम्बुलेन्स सेवा प्रदान कएल जाएत ।
३. नगराइन नगरपालिका वार्ड नम्बर-२के जटहीमे शहिदगेट निर्माण कएल जाएत ।
४. नगराईन नगर कार्यपालिका प्रशासकीय भवन निर्माण कार्यके आवश्यक प्रक्रिया अगा बढाओल जाएत ।
५. नगराइन नगरपालिकाक्षेत्र भितर वार्ड नम्बर-५के गंगुलीस’ वार्ड नम्बर-२ अन्तर्गत नेपाल-भारत सीमाधैरके सिक्स लाईन सड़कके डिभाइडरमे वृक्षरोपण एवं सड़क सरसफाई क’क’ सौन्दर्यीकरणके काज कएल जाएत ।
६. नगराइन नगरपालिकाके लक्ष्य आ उदेश्य परिपुर्ति हेतु गुणस्तरीय शिक्षा एवं स्वास्थ्य सेवा शुलभतास’ प्रदान कएल जाएत ।
७. कृषिक्षेत्रकेँ उच्च स्तरीय प्राथमिकतामे राइखक कृषकसभकेँ समयमे मल-खाइद उपलब्ध कराबके समुचित व्यवस्था कएल जाएत ।
एहि तरहे उल्लेखित सातबून्दे निणर्य प्रमुख यादव कार्यभार सम्हारैत प्रतिबद्धतासंग पहिल निर्णय कएलाह ।
प्रतिक्रिया