सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बहुतराश दातृ संस्थासभकेँ सहयोगस’ सरसफाई कार्यक्रम चलैत आएल । खुजल स्थानमे शौच नइ करु, सम्झाबके काज होइत आएल । विभिन्न दातृ निकाय करोड़ो टाका अइ नाम पर खर्च कएलक । विभिन्न तरहक चेतना मूलक कार्यक्रमस’ लोकके जागरुक करब काज सेहो होइत आएल छै । तथापि बहुतो एहन गाम-ठाम छै, जतह जागरुकताकेँ नितान्त अभाव देखल जासकैए । एहन घिनौना काज करैत छै जाहिस’ सउंसे गाम समाज बदनाम होए आ लज्जित बनल रहे । सरकारी मसिनरी आ बैदेशिक लगानी बालुवामे पानी हेराएब जोकर परिणाम खुजल स्थानमे शौच नइ करु विषयमे सिद्ध भरहल छै ।
खानेपानी तथा सरसफाई कार्यक्रम प्रायः गाम ठाममे चलल । सन् २०१७ मे नेपालके खुल्ला दिशा मुक्त राष्ट्रके रुपमे घोषण कएल जाए प्रावधान छल । फेर २०१९धैर समय बढ़ल । ओइ प्रावधानके पुरा करब लेल विभिन्न नगरपालिका गाउँ पालिका अपनो रकम खर्च क’क’ सोकजगर परिणाम आनब काज कएने दावी कएलक । ताहिमे महोत्तरीयो गाम पालिका सामेल छल । महोत्तरी जिलाके महोत्तरी गामपालिका अन्तर्गतके एकटा गाममे चोते पर चोत, चोते पर चोत देखक मोन घिनाएत आ ओइ गाम टोलवासीके असभ्यता झलकत । ओहिना झलकत जहिना चमचमाइत नव निर्मित पीसीसी सड़क चमकैत छै ।
पसीसी पक्की ढलान कएल सुथर सड़क पर दूनु कात ततेक नइ मानव गोबर भेटत जाहिस’ बाट चलबाला बटोहीसभके नाम मूँह बन्न क’क’ झटकाइर भाग पड़ैत छै । जेना कूकूरमाछी काइट लेने होए तेहन सन अवस्था बनाक लोक भागैत कखनो देख सकैत छी ।
एहन मानव चोत पर चोत बला अवस्था महोत्तरी जिलाके गोइरगम्मा आ बदियाके बीचमे देखल जासकैए । गोइरगममास’ स’ पुरुब बदियादिस जाएबाला बाटमे लोक साँझ विहान निकासमे गेला पर हैगके घिनादैत छै ।
गामके निकासीद्वारपर निकासकेँ ठाउँ एहन रहैत छै जे लोक ओइसिको गेला पर करिब एक किलो मीटर धैर लंक लाइक भगैत रहैत छै । जतह लोक पयरो धरए नइ चाहैत छै । ओहो एना जेना कूकूरमाछी लुधैक गेल रहै !एहन अवस्था देखक लोक लोइयाके लोइया थूक धरैत-फैकैत भागैत रहैत छै । मानव चोत पर चोत देखल जासकैए महोत्तरी गापाके बदियाके दुसधटोली सम्बोधन कएल जाइत छै ओइ स्थान पर देखल जासकैए ।
ओहि गाममे ओहन गरीब दलित नइ छै । नीक घरदुवारबाला लोकसभ छै । शैचालय सेहो बहुतोके घरमे छै । मुदा ओइके उपयोग करबमे धाक मानैत छै आ पक्की निर्मित पीसीसी सड़क पर भोरे अन्हरौखे आ साँझुक पहर बैसक चोत धरमे नइ धकाइत छै । सभस’ महत्वपूणर् बात छै उक्त स्थान सेहो खुल्ला दिशामुक्त घोषणा कएल जाचुकल छै । विदेशी दातृ संस्था युनिसेफ, यूएल हैबिटेड, जिला खानेपानी तथा सरसफाई, स्थानीय क्लव आदि सभ अइकाजमे सक्रिय छल । उल्लेखित संस्थासभ कतेक सक्रियता पूर्वक काज भेल, केहन भेल आ कोन तरहें जागरुक लोककेँ कएलक तेकर पोल सड़क काते कात चोते-चोत देखलास’ स्वत शिद्ध होइत छै ।
प्रतिक्रिया