धर्मनिरपेक्षता पर बबाल,बिरगंजमे मुख्यमंत्री राउतके धूवा दहन

२०७८ आश्विन ९, शनिबार १७:२३
सीमाञ्चल समदिया

  • 20
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बिनु आन्दोलन कएने, नेपाली जनताकेँ बिनु मंगने हिन्दुराष्ट्रस’ धर्मनिरपेक्ष राष्ट्र नेपालकेँ कायम कएल गेल । आब ओकर दुषित परिणमसभ देखार भेल जारहल छै । ओहिके देखैत सचेत नागरिक समाज  धर्म निरपेक्षताकेँ समेत बिरोध करैत आइब रहल छै । मुदा संघीय सरकार समेत बेसुध बनल छै ।

अहि क्रममे प्रदेश दूके आर्थिक नगरि बीरगञ्जमे मदरसा बिधेयककेँ बिरुद्धमे बिरोध जुलुस कएलगेल छै । प्रदेश-दूके सरकार मदरसा बिधेयक लएला पर श्यामकिशोर तिबारीकेँ नेतृत्वमे बिधेयक लौनिहार मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके बिरुद्धमे जुलुस बहार कएल गेल ।

पर्सा जिला सदरमुकाम बीरगञ्ज स्थित गहबामाइ मन्दिर प्राङ्गनस’ मदरसा बिधेयक बिरुद्ध बिरोध जुलुस बहार कएलगेल । बिरोध जुलुसमे सामेल लोकसभ नगर परिक्रमा करैत घण्टाघर लग पुंइगक कोन्हसभामे परिणत भ’क’ सभा समापन कएलगेल छल ।

मुख्यमन्त्री मदरसा बिधेयक बिरुद्धके राष्ट्रिय एकता अभियानव्दारा  बिरोध प्रदर्शन कएलगेल छै । बिरोध प्रदर्शनमे प्रदेश दूके मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतकेँ धूवा(पुतला) दहन समेत कएलगेल ।

अभियानके केन्द्रिय अध्यक्ष एवं कार्यक्रमके प्रमुखअतिथि विनय यादव सभाके सम्बोधन करैत-‘‘मुख्यमन्त्री राउत मुश्लिम बाहुल्य देश पाकिस्तानके इशारामे चैल रहल छै ।

ओतुके इशारा पर मदरसा बिधेयक लागु क’क’ देशमे ब्यमनस्य फैलाब चाहैत छै, एवं प्रदेश दूके अफगानिस्तानके तालिबानी जकाँ बनाबके दुस्साहस करए चाहैत छै ’’ तेहन आरोप लगौलाह ।

मुख्यमन्त्री राउतके त्यागपत्र मांग करैत सहभागी आन आन वक्तासभ मदरसा बिधेयक लागु नइ कएल जाए चाही ओहि लेल चेतौनी सेहो देलाह ।

बिरोध प्रदर्शनमे अभियानीसभ डा.अनिल झा, ओमबाबु यादव, कृष्ण साह, राजा गुप्ता, सोनु कुश्वाहा, देवनाथ उपाध्याय, राष्ट्रीय विधार्थी परिषदके संयोजक विवेक कुशवाहा सहितके सहभागी अगुवासभ अपन-अपन धारना रखने छलाह ।

मुख्यमन्त्री राउतके सहभागीसभ दुरजरु शब्दवान प्रहार करैत सनातन धर्म संस्कृतिके रक्षा हेतु देशस’ धर्म निरपेक्षता निरस्त कएल जाए, बारेमे मांग संग अपन-अपन अभिव्यक्ति देने छलाह । 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया