सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके धनौजी गाउँ पालिकामे अध्यक्ष प्रत्यासीसभ मादे अइबेरुका निर्वाचनमे तीनटा उम्मेदवारबीच कड़ा प्रतिस्पर्धा रहत । तेहन सन्देश स्थलगत अध्ययन अवलोकनस’ सीमाञ्चल समदियाके बुझएमे आएल छै ।
धनौजी गापाके अध्यक्षपदके उम्मेदवारसभमे देशके सभस’ पुरान पार्टी नेपाली काँग्रेसस’ राजकुमार यादव, तेकरावाद नेकपा एमालेस’ रामबाबु साह चुनावी मैदानमे दौड़ रहल छै ।
मधेशवादी दल लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपालस’ जीवेन्द्र झा ‘जीवु’,जनता समाजवादी पार्टी नेपालस’ शुभनारायण यादव एवं एमालेस’ फुटैकक बनल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एकिकृत समाजवादीस’ राजकुमार यादव अध्यक्षके उम्मेदवार बनल छैथ ।
उल्लेखित पाँचो अध्यक्षके उम्मेदवारमे आइधैर ई समाचार लीखबमे जनताबीच अपन पक्कर आ पहिचान बनाबमे ‘साइकिल’छापके उम्मेदगर उम्मेदवार बनल छैथ—जिवेन्द्र झा जीवु ! हिनकाबाद जनपक्कर आ लहरमे छै-‘कलम’ छापके उम्मेदवार राजकुमार यादव ।
धनौजी गापामे अइस’पहिने नेपाली काँग्रेसकेँ बर्चश्व रहैत आएल छल । निवर्तमान अध्यक्ष बद्रीसिंह लथैरगेला पर नेकाँके आधिकारीक उम्मेदवार राजकुमारके बनाओल गेल छै ।
जाहिस’ असन्तुष्टि व्यक्त करैत स्वयं काँग्रेसी नेता कोमलकान्त झा स्वतन्त्रस’ उम्मेदवारी देने छैथ । तैँ काँग्रेसके अइबेर धनौजीमे पत्ता साफके अवस्था रहत तेहन साफ सन्देश जनतास’ भेट रहल छैथ । ओना कहल नइ जासकैए अखनु निर्वाचन होबमे ६ दिन शेष छै कखनो पासा पलैट सकैए ।
समरसभके समाज व्यवस्था तेहने छै नोट देखाक भोंट लेब आ देब सेहो काज होइत छै ! तैस पासा एकरातिमे पलैट जाइत छै । तेहनमे कहल नइ जासकैए ।
तथापि चुनावी रेसमे जीवू आगा आ राजकुमार पाछा, पाछा करहल छैथ । हिनका दुनुके वाद एमालेकेँ रामबाबु यादव तेसर स्थानमे नजर आइब रहल छैथ ।
चुनावी रेसमे जे सभ पैतरा अपनाओत ओ अग्रतामे बनल रहत एवं हुनक जीत सुनिश्चित रहत एहन मानल जाए चाही ।
प्रतिक्रिया