जनकपुरधाम । निर्वाचन पछाइत धनुषा जिलाके निर्वाचनके प्रारम्भिक मत परिनाम सार्वजनिक भेल छै । अखनु टटके भेल मतगणनाके जारी परिणाम अनुसार कूल १३९९ मत गणना भेल छै । जाहि मध्ये नेकपा एमालेके उम्मेदवार जुलीकुमारी महतोके सूरुज छापमे ६०८ मत छै ।
पाँचदलीय गठबन्धनके उम्मेदवार अनिलकुमार झाके साइकिल छापमे-३१० एवं जनमत पार्टीके उम्मेदवार ई.शम्भुनाथ साहके हर्न छापमे ३२० मत आएल छै । से जनतब धनुषाके मुख्य निर्वाचन अधिकृत ब्रजेश प्याकुरेल सञ्चारकर्मी देने छैथ ।
हालधैर भेल गणना मत मध्ये ४४ टा मत अन्य उम्मेदवारसभकेँ छोरीमे गेल छै एवं ४४ टा मत बद्दर भेल जनतब भेटल अइ !
धनुषा जिलाके सदरमुकाम जनकपुरधाम तिरहुतियागाछी स्थित महेन्द्रनारायण मिथिला सांस्कृतिक भवनमे धनुषा क्षेत्र नं.३के मतगणना जारी छै । अखनु जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.१५के मतगणना कएल जारहल छै ।
प्रतिक्रिया