धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक

राजदेवी मन्दिरके मुकुट चोराबबला एक्कहि समुदायके४गोट सहित पाँच धराएल

२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया

  • 23
    Shares

जनकपुरधाम । सनातनधर्म मानवाला समुदायके देवी भगवतीके मुकुट सहित चोरी कएनिहार चोर गिरोहके पकरमे धनुषा प्रहरी सफल भेल छै ।
एहे फागुन बितल १४ गते रातिमे १२ बजेके ओनपोनमे, जनकपुर-महेन्द्रनगर सड़कखण्डमे  सपही लग राजदेवी मन्दिरमे चोरी कएलगेल छल ।

 

रमदैया गाम जायबाला मेडिकल कलेज चौकलग हाइबेमे रहल राजदेवी मन्दिरमे देवीके चानीके मुकुट सहित चोराक चोरसभ निप्ता भगेल छल । लोक आस्था एवं विश्वासप्रति धक्का लगाबके काज मात्रे ओहि घटनास’ नइ भेल ।

 

धनुषा प्रहरी प्रशासनके सुरक्षा पर सेहो प्रश्नचिन्ह खाड़ करब काज भेल छल । मुदा प्रहरीके खोजतलाश आ परिश्रम रङ्ग लौलक । आइ धनुषा प्रहरी मादे सार्वजनिक कएलगेल अनुसार चोरनराह युवा जमातके गेंग छल जे भगवानकेँ चानीके मुकुट चोरी कएने छल फरिछौलक ।

 

पाँचगोटे चोर समूहके पकैरक सार्वजनिक कएलगेल छै । जाहिमे ४ गोटा गैरसनातनी हिन्दुधर्मी छै । एहिस’ एकधर्मके लोक दोसरधर्मके कोना बदनाम करैत छै ओहो पोल खुजैत छै । ओना अपराधिके कोनो जाति धर्म नइ होइत छै ।

 

धनुषा प्रहरीव्दारा चोर गिरोह वारे जारी पत्र

 

तथापि लोक कनफूसकी कएरहल छै । मन्दिरमे जाक नपाक हरकत कएलक, भगवानके मुकुट चोराक धर्म नाश कएलक । पपीयाहासबिके पीलुवा फरो ! जे सुनतै छै ओ सुइनते एहन सराप देब लगैत छै ।

 

पकरल गेलहासभमे धनुषा जिला क्षीरेश्वरनाथ नगर पालिका वार्ड नं.५ महेन्द्रनगर रहनिहार ३७ वर्षके रजाक मोहम्मद छै । तहिना विदेह नगरपालिका वार्ड नं.४ निवासी ३० वर्षके सरिफ मुसलमान, २२ वर्षके नसुरुद्दिन शाह, एवं ओहि वार्ड नं.४ सुन्दरपुर गामके २१ वर्षके मो. हब्बिगुल्ला शाह रहल छै ।

 

एहितरहें चोर गिरोहमे पाँचम् चोरके रुपमे कमला नपा वार्ड नं.७ हथमुण्डा निवासी २२ वर्षके रमेशकुमार महतो रहल धनुषा प्रहरी प्रमुख एसपी बिश्वराज खड्का जनौने छैथ ।

 

पकरल गेलहासभकेँ संगस’ ११ हजार पाँचसय टाका नगद, १३ टा मोबाइल फोन, कटुवा पेस्तौल एकटा आ ओहिमे लागबला गोली एकटा, चोरी कएल गेल चानीके मुर्ति एवं मुकुटके २ किलो जतेक चानीके टुक्राटुक्री भेटल छै ।

 

तामाके करअंकित बस्तु १,पितरके कसोडी, गिलाश, छोटका लोटकी,दिया एकएकटा भेटल छै । तहिना तामाके छोटका गिलाससभ, लोहाके छेनी-२ टा, बडका घन-हथौरी एकटा, सलाइरिन्च, खुखरी, खन्ती एक-एकटा एवं लोहाके चारिपटिया प्राप्त भेल प्रहरी कहने छै ।

 

अहिप्रकारे मो.सरिफके घर तलासीस’ चरेशके थारी ७ टा, हथौरी, कमण्डल, खुखरी, लोहा काटबाला हाक्सो ब्लेड-१-टा,पासपोर्ट एवं परिक्षा प्रवेशपत्र प्राप्त भेल छै । पकरल गेलहासभके महुवा गाम लगमे तलासी कएला पर समानसब भेटल ओ बात प्रहरी खुलस्त कएने छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया