सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा प्रहरीके बिशेष खोजी जत्था विद्यालयस’ चोरी कएलगेल कम्प्युटर, मोनिटर सहितके सामान चोरीकर्ता सहितकेँ पकरबमे सफल भेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार प्रहरीके क्राइम ब्रान्च धनुषाके खोजी जत्था बटेश्वर गाउँ पालिका वार्डनं.४ अन्तर्गत प्रमोद महतोकेँ घरस’ चोरी भेल कम्प्युटर सेटसभ पकरबमे प्रहरी सफल भेल छै ।
बटेश्वर वार्ड नं.२ मे सञ्चालित जनप्रीय माध्यमिक बिद्यालयस’ कम्प्युटरसभ चोरी भेल छल । विद्यार्थीसभकेँ पठन-पाठन लेल विद्यालयमे आएल कम्प्युटर सेटसभ बड होशियारी आ चलाकी पूर्वक चोरी कएलगेल छल । मुदा कहबी छै खबरदारी-निगरानीकर्ता जौं सही होए तखन केहनो अपराधीके ध दबोचत !
धनुषा प्रहरीके क्राइम ब्रान्चके अग्रसरतामे प्रहरी खोजी जत्था सेहे साबित कएलक । अपन युक्ति लगाक कए हप्तास’ खोज तलासमे प्रहरी समूह लागल छल । अपन निगरानी प्रहरी बढौने छल आ अन्ततः चोरबा गिरोहके चोरीके समान सहित रंगेहात पकरबमे सफल भेल छै ।
कम्प्युटर चोरीकर्ता गिरोहमे सामेल रहल आरोपमे कम्प्युटर जिनका घरमे भेटल तिनका माने प्रमोद महतोकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक । एकर अतिरिक्त मिथिला नगर पालिका वार्ड नं.८ रहनिहार रामप्रकाश महतो, बटेश्वर गाउँ वार्ड नं.३के बुधन महतो सहितकेँ प्रहरी अपना नियन्त्रणमे ल’क’ कानुनी एवं कार्यवाही प्रकृया आगु बढौने छै ।
क्राइम ब्रान्च धनुषा, ईलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगर, प्रहरी कार्यालय बटेश्वरकेँ सुंयुक्त प्रयासमे विद्यालयकेँ चोरी भेल कम्प्यु्टर सेट एवं चोरसभकेँ पकरलगेल छै । कम्प्युटर सीपीयु एवं मोनिटर १८ सेट, प्रोजेक्टर एकटा सहित चोर गिरोहके पकरलगेल जनतब प्रहरी मादे भेटल ।
प्रतिक्रिया