धनुषामे नेकपा एमाले दूटा पालिका जीतल

२०७९ जेष्ठ ३, मंगलवार १७:००
सीमाञ्चल समदिया

  • 109
    Shares
औरही गापामे विजयी उमाशंकरप्रसाद साह ।

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलामे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेके लोक एकटा गाम एकटा नगर मीलाक दूटा पालिका जीतमे सफल भेल छै ।

भेटल जनतब अनुसार सदरमुकाम जनकपुरधामस’ पुरुब ८किलोमीटर दूर औरही गाउँ पालिका एवं १४ किलोमीटर दूर विदेह नगरपालिकामे एमाले सम्बध्द लोक प्रमुख, उपप्रमुख जीतमे सफल भेल छै ।

धनुषा जिलाके विदेह नगरपालिकाके प्रमुखमे नेकपा एमालेस’ उम्मेदवार बनल बेचन दास पुनः विजयी भेलाह । ४ हजार ४सय १२ मत प्राप्त क’क’ दास पुनः निर्वाचित भेल छैथ ।

चुनावी प्रतिस्पर्धामे प्रतिव्दन्दी नेकपा एकिकृत समाजवादीके राजकिशोर रोहिता स’ ९ सय ८५ मत बेसी प्राप्त कएला पर मेयरमे दास निर्वाचित भेल छैथ ।

नेकपा एसस’ उम्मेदवार बनल यादव ३ हजार ४ सय २७ मत प्राप्त क’क’ पराजित भेल छैथ । तहिना उपप्रमुखमे सेहो नेकपा एमालेस’ आबद्ध आशादेवी झा ४ हजार ६ सय ५९ मत प्राप्त क’क’ निर्वाचित भेलीह ।

विदेह नपाके नवनिर्वाचित मेयर बेचन दास एवं उपमेयर आशा झा ।

हिनक निकटतम् प्रतिव्दन्दी नेपाली काँग्रेसके सीमा देवी महतो २ हजार ७ सय ८६ मत प्राप्त क’क’ उप प्रमुखमे पराजित भगेलीह ।

धनुषा जिलामे नेकपा एमाले अखनुधैर एकटा नगर पालिकामे विजयी प्राप्त करबमे सफल भेल छै ।

जेकर श्रेय निवर्तमान मेयर एवं पुनः विजयी भेल बेचन दासके जाइत छै । दास २०७४के निर्वाचनमे नेकपा माओवादी केन्द्रस’ मेयरमे जीतल छलाह ।

विजयी घोषित भेला पछाइत एमालेसम्बद्ध प्रदेश संसाद राम चन्द्र मण्डल, किशोरी साह कमल, श्रीलाल महासेठ सहितके लोक जाक निर्वाचित दास एवं श्रीमति झाके माला पहिराक अबीर चानन लगाक स्वागत कएलैथ ।

अहितरहें धनुषाके औरही गाँउपालिकामे एमालेस’ जुड़ल उमाशंकरप्रसाद साह ३ हजार ३ सय २६ मत प्राप्त क’क’ गापा अध्यक्षमे निर्वाचित भेल छैथ ।

निवर्तमान अध्यक्ष समेत रहल नेपाली काँग्रेसके उम्मेदवार व्रहमदेव यादव स’ ४०३ मत बेसी लाइबक साह निर्वाचित भेलाह । निवर्तमान अध्यक्ष यादव २ हजार ९ सय २३ मत प्राप्त कएने छैथ ।

तहिना नेकपा एमालेके पुनमकुमारी साह २ हजार ९सय ९४ मत प्राप्त क’क’ औरही गापा उपाध्यक्षमे निर्वाचित भेल छथिन । काँग्रेसके रिंकुकुमारी मण्डल २ हजार ७ सय ९० मत प्राप्त क’क’ चुनावमे पराजित भेल छथिन ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया