सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके विभिन्न बारहटा स्थानीयतहमे वार्ड अध्यक्ष सहित विजयी भेल खबरसभ आएल छै । जाहि मादे उल्लेखित अनुसार जनकपुरधाममे वार्ड नं.१,२,३मे वार्ड अध्यक्षसहितके टीम विजयी भेल छै ।
धनुषाके १८ स्थानीय तहमे भरहल मतगणनाके परिणाम आधिकारिक रुपमे सार्वजनिक कछुवागति आ बेताली अवस्थामे भरहल छै । तथापि जे जनतब भेटल ओहि अनुसार तथ्यांक जारी कएल गेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार ई समाचार लीखब समयधैर क्षीरेश्वरनाथ नपामे सातटा वार्डके परिणाम सार्वजनिक भेल छै ।
हँसपुर,कमला, शहिदनगर नगरपालिकामे दू दूटा र्वाके परिणाम आएल छै । सबैला, मिथिला बिहारी,नगराइन, नपामे एकएकटा वार्ड अध्यक्षके परिणाम सार्वजनिक भेल छै ।
गाउँ पालिकासभमे लक्ष्मीनियांमे तीन, जनकनन्दनीमे दू वार्डके परिणाम सार्वजनिक भेल छै । वार्ड अध्यक्षमे कतह के जीतल छै किछु विवरण देखल जाए ——
नाम नपा/गापा पद दल/छाप मतसंख्या
१. देवु यादव जनकपुरधाम उपमहानपा वार्ड नं.१ अध्यक्ष, नेपाली काँग्रेस गाछ
शिवकुमार साह‘शिवु’, जनकपुरधाम उपमहानपा वार्ड नं.२ अध्यक्ष, नेपाली काँग्रेस,
दिपेन्द्र साह, जनकपुरधाम उपमहानपा वार्ड नं.३ अध्यक्ष, तमलोपा कलश, १७ मतस’ विजयी,
२. विश्वनाथ यादव धनुषाधाम नपा वडा न.१ अध्यक्ष, नेपाली कांग्रेस ६१८ मतस’ विजयी
३. बिनोद गुप्ता, क्षीरेश्वरनाथ नपा वडा नं.६ अध्यक्ष नेकपा एमाले ५९४स’जीत, ११५१प्राप्त,
मोबारक कवाडी‘नथुनी’, क्षीरेश्वरनाथ नपा वडा नं.७ अध्यक्ष नेपाली कांग्रेस
४ बिहारी महतो, मिथिला नपा, वार्ड नंः-२ अध्यक्ष, नेकपा एस.कलम, १३६ मतस’ विजयी,११२९ प्राप्त
५. रामदेव कापडी, हंसपुर नपा वार्ड नं.१, अध्यक्ष, जसपा नेपाल, छाता
जयनारायण कापडी, हँसपुर नपा वडा नं.२ अध्यक्ष, नेपाली काँग्रेस अत्याधिक मतस’ विजयी
६. मिथिला साह, सबैला नपा वार्ड नं.१अध्यक्ष, नेपाली काङ्ग्रेस
७. ठकु यादव कमला नपा वार्डनं.२ अध्यक्ष नेपाली काँग्रेस
रन्वीर सिंह मण्डल, कमला नपा वार्ड नं.९ अध्यक्ष नेपाल जनता पार्टी कमलफूल
८. सतेन्द्र चौरवार शहिदनगर नापा वार्ड नं.२अध्यक्ष, नेपाली कांग्रेस
९. रामसोभित दहा, मिथिलाविहारी नपा, वार्ड नंः-१ अध्यक्ष, नेपाली कांग्रेस गाछ
१०. सीताराम महतो, नगराईन नपा वार्ड नं.१, अध्यक्ष नेपाली काँग्रेस
११. दिलिपकुमार यादव, लक्ष्मीनिया गापा वार्ड नं.१अध्यक्ष नेकपा एमाले सुर्य, २२६ मतस’ पाइनलजीत
लालजी साह, लक्ष्मीनियाँ गापा वार्ड नं.२, अध्यक्ष, नेकपा एमाले, सुर्य ७३ मतस’ विजयी ।
तेजनारायण यादव‘हिरा’ लक्ष्मीनियां गापा वार्ड नं.३अध्यक्ष, प्यानल सहित बिजयी
१२. सन्तोष गोइत, जनकनन्दिनी गापा, वडा नं-१,अध्यक्ष, नेकपा एस., कलम प्यानल विजयी
अबदुल मालिक, जनकनन्दिनी गापा, वार्ड नंः-२ अध्यक्ष, नेपाली कांग्रेस गाछ ।
प्रतिक्रिया