सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके मिथिला नगरपालिकामे सेहो एकटा युवक मरल भेटल छै । बिहान अन्दाजी २५ बर्षीय विनोदकुमार यादव फंसरी झुलैत अवस्थामे मरल लटकल भेटल छै ।
ढल्केवर-जनकपुर सडकखण्ड अन्तर्गत सञ्चालित मिथिला हार्डवेयर दोकानके पछाडि रहल बगैचामे गाछमे झुलैत अवस्थाम लोक देखलक । प्रहरी शव उताइरक परिक्षण हेतु प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाममे पठौने छै ।
ईलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केवरके प्रहरी निरीक्षक रामसागर सिंह पत्रकारसभके जनतब देने छैथ ।
‘घटनाके प्रारम्भिक अनुसन्धानमे कोनो कन्यासंग प्रेम छल । ओहि सम्बन्धके विषय बाहर आएल छै । ओहिलेल आत्म हत्या कएने होएत ।
घटनाके विशेष अनुसन्धानलागी दुगोटेके नियन्त्रणमे लेलगेल छै,प्रहरी निरीक्षक सिंह सेहो बतौलाए ।
अहितरहें मधेश प्रदेशके सप्तरीमे एकटा अपरिचत महिला सेहो मृत पाओल गेल छै । सप्तरी जिलाके रुपनीबजार स्थित पार्कमे एकटा अपरिचित महिला मृत अवस्थामे सोमदिन भोरमे ९ बजे मरल परल भेटल छै ।
महिलाके अवस्था देखला पर भिखारन सन रहल होए आ बलात्कारके सिकार भेल होब सकैए ओहन अन्दाज लगाओल गेल छै । प्रहरी अनुसंधान जारी रहल छै ।चित्रश्रोतःप्रिति अधिकारी,सप्तरी
प्रतिक्रिया