सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आधा वरिषस’ बन्द प्रशासनिक काज सभ जहिना शुरु भेल तहिना लोकके हुजुम लाग लागल छै । ओइके ब्यवस्थित करबमे असफल प्रशानिक निकाय नवयुक्ति लगाक धनउगाहिके माध्यम बना लेलक ओ जनतब भेटल अइ ।
जनकपुरधाममे जिला प्रहरी कार्यालय धनुषामे सेवाग्राही राजकुमार मण्डल एवं महोत्तरी जिला प्रशासन कार्यालयमे समाजिक अभियन्ता मधेश आन्दोलनके सुत्रपातक दिपककुमार झा संग भेल ज्याति मनपर्दी अइबातके पुष्टि भेल छै ।
धनुषा जिला प्रशासनके खेरहा
‘‘ स्कलरशिप सहितके परिक्षालेल नागरिकता बनाएब आवश्यक परला पर जिप्रशाका पुगल धनुषा हँसपुर नगरपालिका वडा नं. ४ झटियाही निवासी राजकुमार मण्डल नागरिकता प्रमाण पत्र बनाब लेल फर्म भइरक लाइनमे लागल । काम होएबे करत देर सबेर ओइ विश्वासमे । घण्टौ प्रतिक्षा कएलाबादो लाइन कम नइ भरहल छल । तेकराबाद पता लगौलक बात कि छै । पाछा बुझएमे आएल जिप्रशाका धनुषामे कार्यरत् एकटा सुरक्षाकर्मी बेराबेरी एकएकटा मालधारी सेवाग्राहीको लजाक भितरेस’भितर काज करबा रहल छै ।
इ खेरहा देखक बेचाराकेँ मोन क्रोधित भेल जे स्वाभाविक छल । ओ जेबीस’ मोबाइल निकालक आ सभ गतिविधी दृश्याङ्कन कएलक । ओहि समयमे प्रहरी पकैरक लगेल । प्रशासन कार्यालयके सभस’ उपरकातल्लामे सेवाग्राही मण्डलके देलक दू चटकन ! मोबाइल मांग कएलक ओ मोबाइल नइ देलक । हम्मर समदियाकेँ बतौने अनुसार मण्डल जतेक पिटब पीटू हम मोबाइल नइ देब कहैत अरल रहल ।
निच्चा अन्य युवासभ जे प्रहरीके करतुत कोठली भितरमे देख चुकल छल आ बाइज नइ रहल छल सब हिम्मत कएलक आ स्वर बूलन्त कएलक । लाइनमे लागल अन्य लोक प्रशासन कार्यालय भवनके मुख्य प्रवेशद्वारामे जम्मा भेल आ बिरोध करब शुरु कएलक । आक्रोसित युवासभ प्रति सुरक्षार्थ खटल प्रहरीसभ लाठी चार्ज सेहो कएलक ।
उपर मण्डलके नियन्त्रणमे रखने प्रहरी घण्टाधैर केरकार करैत रहला पछाइत बाधमे हाइरक छोरलक । ’’ ई जनएकतामे कि शक्ति होइत छै ओ पुष्टाइ भेल । मुदा कोभिड १९ केँ महामारीकेँ समय कोरोना संक्रमणके खतरामे घण्टो लाइनमे लागल ओकर काज पहिने हुअ चाही ।
महोत्तरी प्रशासन कार्यालय घटना
जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरीमे सेवाग्राहीके रुपमे सोमदिन मधेश आन्दोलनके अगुवा दिपक कुमार झा पुंगल छलाह । दू तिन घण्टा ओहो ओतुका दृश्य देखला । दिनादिष्टी घुस रकम प्रहरीके देनिहार लोकके काज होइत छल । लाइनमे लागल भिड़मे पीचाइल केकिया रहल छल । दिपको मोबाइलमे सभ दृश्य कैद करए लागल । हुनको सुरक्षाकर्मी पकैर लेलक । टाका ल’क’ काम करैछी ओ हो…!
कहला पर मोबाइलो छिन लेलक । फेर आधा घण्टा बाद घुरता देलगेल । दिपक पुनः दृश्यसभ खीच लागल । तेकराबाद हुनका नियन्त्रणमे ल’ प्रहरी सिडियोके आगु लगेल । खीचल दृश्यसभ मेटा देलक । सिडियो तानाशाही प्रबृति देखबैत सुपरिम कोर्टके जज जकाँ आदेश देलक । तेकराबाद समाज सुधारक युवा दिपककेँ जिला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीमे लजाओल गेल । हुनका कन्ट्रोल रुममे तीन घण्टा राइखक छोड़लक । ई पेहानी ओ समाजिक सञ्जाल मादे सेहो शेयर कएलाह ।
लोकतन्त्रमे लोक सम्मतिके आधार पर सभ किछ होइत छै आ हुअक चाही । लोक सेवास’ पैघ कोनो सेवा नइ हुअ सकैए । राष्ट्रसेवककेँ उपाधिधारीसभकेँ ई बात आत्मसाथ करक चाही । मुदा चोरबाट दने आ पैरवी फोर्सके मादे पाछा आबए ओकरा आगु काज करब प्रशासनीक लाचारी आ सिस्टाचारी भ्रष्टाचारके पोल स्वतः खुजैत छै ।
संघ सरकारके जिलाके कमान सम्हारबला प्रशासनीक निकायमे एहन मनपर्दी होएत । बाजबलाके पीटल जाएत । प्रहरी नियन्त्रमे राखल जाएत त’ लोक कत आ करास’ न्याय कानुनके पालनके आश करत ? अइ पर सिडियोके विचार करक चाही । उच्च नैतिकताके पालन करक चाही । सेवाग्राहीकेँ असुविधा नइ सुविधा उपलब्द्ध कराओल जाए चाही । मुदा जकरे खाइ तकरे डेगांई, पैना पेलाइ करी खेदजनक बात छै । एकर घोर निन्दा आ दोषी प्रहरी, जिलाके कमान सम्हारबाला अधिकारीके सेहो हुअ चाही । बुझनिक लोककेँ एक स्वरमे ई मांग उठाबक चाही । जेना घटनास्थल पर उठल तहिना बुद्धीजीवि,नागरिक समाजस’ सेहो उठक चाही ।
प्रतिक्रिया