धनुषाक्षेत्र नं.३मे जातीय समिकरण मीलान करैत गठबन्हनके उम्मेदवार तय

महतो, झा, यादव, साह, ठाकुरके समिकरण काजुल होएत ?

२०७९ आश्विन २३, आईतवार ०९:२३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 47
    Shares

जनकपुरधाम । धनुषा जिला निर्वाचन क्षेत्र नं.३मे नेपाली काँग्रेस एवं लोसपा नेपाल एवं नेकपा एमाले आ जसपा नेपालबीचके गठबन्हन बन्हाएल उम्मेदवार चुनावी मैदानमे उतरए लागल छै ।

 

उल्लेखित दलसभके आपसी सहमति अनुसार प्रदेशसभा एवं संघीय संसद हेतु सदस्य चयन करब काज होएत । आगामी अगहन-४ गते होबबाला आमनिर्वाचनमे धनुषा-३स’ नेपाली काँग्रेस एवं लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपाल(लोसपा) गठबन्हनके उम्मेदवार अनिल झा, परमेश्वर साह एवं रामसरोज यादव चुनावी मैदानमे उतरताह ओहन तयारी भेल छै ।

 

भेटल जनतब अनुसार संघीय संसदके सदस्य पद हेतु लोसपा नेपालस’ अनिल झा, प्रदेश संसद सदस्य हेतु परमेश्वर साहके उम्मेदवारी पड़त । तहिना प्रदेश संसद सदस्य हेतु नेकाँस’ रामसरोज यादव सेहो उम्मेदवार रहताह ओहन सहमति दू दलबीच बनल छै । साह एवं यादव अखनो प्रदेश संसद छैथ । जाहिमे यादव मधेश प्रदेशके भौत्तिक पूर्वाधार मन्त्रीके जिम्मेवारी सम्हारने छैथ ।

 

आइ अखनु दश बजेस’ नामांकण दर्ज करब काज आरम्भ होएत ओहन सूचना निर्वाचन आयोग पहिनही जारी क’ चुकल छै । नेकाँ उम्मेदवार यादव प्रदेश सदस्य हेतु धनुषा-३ (क)स’ एवं लोसपाके साह तीन(ख)स’ उम्मेदवार बनताह ओहन सहमति भेल छै ।

 

अइस’ पहिने लोसपाके राजेन्द्र महतो संघीय संसदमे धनुषा-३स’ विजयी भेल छलाह । अइबेर ओ सर्लाही-२स’ प्रतिस्पर्धा करताह । रौतहटस’ विजयी लोसपाके संघीय सांसद झा नवक्षेत्र तलाशमे रौतहटस’ धनुषा खुसैक क’ आब लेल तयार भेलाह । ओ धनुषा-३स’ संघीय संसद हेतु गठबन्धनके उम्मेदवार बनब स्वीकार कएलाह ।

 

एहितरहें नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमाले एवं जनता समाजवादी पार्टी नेपालबीचके गठबन्धनस’ संघीय संसदमे एमाले नेत्री जुलीकुमारी महतो एवं प्रदेशसभा सदस्य हेतु दीपेन्द्र ठाक्ुर आ जसपा नेपालस’ ई. जितेन्द्र यादव उम्मेदवार बनताह ओ जनतब भेटल ।

 

मधेश प्रदेश सरकारके मुख्यमन्त्रीके प्रमुख स्वकीय सचिवके रुपमे काज कए चुकल यादव धनुषा तीन(क) एवं निर्माण ब्यवसायी ठाकुर(ख)स’ प्रदेश सभा सदस्यके उम्मेदवारी देताह ।

 

संघीय संसद हेतु तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीस’ मो.असगर अली एवं स्वतन्त्र उम्मेदवारके रुपमे नेपाल पत्रकार महासंघके पूर्वअध्यक्ष उमेश शाह, युवा जोशिला जांगरिला उमेश चौधरी सेहो उम्मेदवारी देबके तयारीमे लागल छैथ ओहो जनतब भेटल ।

 

एहिबेरके निर्वाचनमे जातीय समिकरण मीलान करैत एमाले एवं काँग्रेस गठबन्धन अपनअपन उम्मेदवार सुनिश्चित कएने छै । साहुजी, ब्राह्मण, भूमिहार, गुवार-यादवके समिश्रण कतेक सोकजगर होएत ओ अगहन ४ गतेके निर्वाचन पछाइत पत्रा चलत ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया