जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशके धनुषा जिला निर्वाचनक्षेत्र नं.३ (क)के प्रदेशसभाके मतगणना सेहो जारी छै । भेटल जनतब अनुसार मतरेसमे जनमत पार्टीके युवा उम्मेदवार डा.प्रसन्न झा आगु रहल छैथ ।
तीन (क)स’ प्रदेशसभा सदस्यके उम्मेदवार डा. झाके पक्षमे हर्न छापके ५७४ मत प्राप्त भेल छै । तहिना गाछी छापस’ नेपाली काँग्रेस सम्बद्ध पांच दलीय गठबन्धनके उम्मेदवार रामसरोज यादवके पक्षमे-३७९ मतआएल छै ।
मतरेसके तेसर स्थान पर छता छापके जसपाके गठबन्धनके उम्मेदवार ई.डा.जितेन्द्र यादव २६४ मत आएल छै । अखनु जनकपुरधाम-वार्ड नं.१५ के रामुपर गामके मतगणना भेल छै ।
प्रतिक्रिया