जनकपुरधाम । आमनागरीकके स्वच्छ,शुद्धजल (पानि) पीबलेल धनुषा जिलाके एकटा गाममे ‘फिल्टर वाटरफ्लाय’ काज शुरु भेल छै ।
धनुषा जिलाके हँसपुर नगरपालिका अन्तर्गत बेल्ही गाममे फिल्टर कएल पानिटंकी मादे घरघरमे पानि सफलायी भरहल छै । ई काज स्वयंसेवी संस्था मादे भेल छै । जेकर अगुवा पुरुष एवं समन्वयकर्ता छैथ स्थानीय युवा समाजसेवी अमित साह ।
जलस’ जीवनके सुरक्षा होइत छै । जल शुद्ध रहला पर बहुत राश रोग बलायस’ लोक जोगल रहैत छै । ओहि विषयके दृष्टिगत करैत पानि टंकी निर्माण कएलगेल छै ।
जाहि टंकीस’ प्रबाहित कएल जायबाला जल फिल्टर कएल लोकके घरघरमे नलस’ बहराइत छै । ब्यवस्थापनकर्ता स्थानीय समाज सुधारक युवा अनिल सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।
हँसपुरके बेल्हीचौकस’ एककीलो मीटर उत्तरपूर्वमे पीयबाला खानेपानी-टंकी निर्माण कएलगेल छै संगेसंग फिल्टराइज करएबाला मशिन सेहो टंकी संगे बैसाओल गेल छै । जाहिस’ ओहिक्षेत्रमे फिल्टर कएल शुद्धपानि लोकके सहजतास’ अत्यन्त न्युनतम्दरमे उपलब्ध भरहल छै । कूलरकम एक कड़ोर ५५ लाखके लागतमे टंकी एवं फिल्टर मेशिन सहितके सिसटम तयार भेल छै ।
‘सोशल इको-इनाभेटीव ट्रष्ट’ सोशल ग्रुप (साइट नेपाल)के माध्यमस’ उल्लेखित शुद्ध जल सफलायी विस्तार कार्य भेल छै । हाल फिल्टर कएल पानि बेल्ही गामके २५६ घर परिवारके घर-देहरी पर पाइपलाइनके माध्यमस’ पुइग रहल छै ।
प्रति परिवारस’ फिल्टर कएल पानिके उपयोग करब बास्ते महिनाके मात्र ११ टाका लेल जाइत छै । सेहो जनतब अमित देलाह । एहे वर्ष बितल फागुन महिनास’ बेल्ही गामवासी फिल्टर कएल शुद्ध जलके उपयोग पानिटंकी मादे सफलायी भरहल टंकी-नलस’ करैत आएल छै ।
जनकपुरक्षेत्रमे पहिल एहन वाटर सफ्लायी सिस्टमके विकास कएलगेल छै जाहिस’ घरघरमे लोककेँ फिल्टर कएल शुद्धपानि टंकीस’-नलमे पुइग उपलब्ध भरहल छै । एहि काजमे ‘डेनमार्क’ सरकारके लगानी भेल छै ओहो बात समाजिक सेवामे संलग्न अमितसं बुझएमे आएल ।
प्रतिक्रिया