सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके शहिदनगरके कुम्भ करणमे समान्य विवाद पछाइत सेहो शान्तिपुर्वक भेल निर्वाचन भेल छल । एतहु मतगणना जारी छै ।
मतगणना परिनाम सार्वजनिक कएलगेल छै । भेटल जनतब अनुसार ई समाचार लीखब धैर ३५४ टा मतके परिणाम सार्वजनिक भेल छै ।
मेयर पदमे उम्मेदवार बनलसभ मादे शहिदनगरमे जनता समाजवादी पार्टी नेपालके उम्मेदवार दिनेश प्रसाद यादव आगु रहल छै ।
घोषित मत परिणाम अनुसार नेकपा एमालेके उम्मेदवार जयप्रकाश यादव दोसर स्थानमे आगु रहल छैथ । ततहि स्वतन्त्र उम्मेदवार घण्टाघर छापमके सुधीर कुमार गोइत तेसर स्थानमे अग्रता बनोने छैथ, ओहन जनतब भेटल ।
उम्मेदगर उम्मेदवार निवर्तमान मेयर उदयबरबरिया यादव प्रतिस्पर्धाके चारिम स्थानमे पुंगल छैथ । भेल चुनावी प्रतिस्पर्धामे मेयर पदके प्रमुख प्रतिस्पर्धी उम्मेदवारसभके मतसंख्या एहि अनुसारे रहल छै——
पद मेयर, नाम दल चिन्ह मतसंख्या
१. दिनेशप्रसाद यादव, जसपा छत्ता १२३
२. जयप्रकाश यादव, नेकपा एमाले सुर्य ७८
३. सुधीरकुमार गोइत, स्वतन्त्र घण्टाघर ६९
४. उदयबरबरिया यादव, नेकपा माओवादी हँसुवाहथौरी ४४
५. बिरेन्द्र यादव, लोसपा साइकल २१
६. लक्ष्मेश्वर यादव, जनमत पार्टी हर्न १२
७. सुकेश मण्डल, नेकपा एस कलम ०७
प्रतिक्रिया