धनकौलक जसपा संविधान बिरोधी नारा, ओली मुर्दावाद !

२०७७ आश्विन ३, शनिबार १२:५२
सीमाञ्चल समदिया

  • 3
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । देशमे लागु कएलगेल संसारके सर्वोत्कृष्ठ संविधानको बैनते जारी होइते बिरोध शुरु भगेल छल । तथापि सत्ताधानरक चेतलक नइ तकर परिणति छै हरेक वर्ष संविधान दिवसके दिन संविधानको दहन करब काज मधेश केन्द्रित दलद्वारा होइत आएल छै ।

नेपाल देशके नवका संघीय लोकतान्त्रिक संविधान-२०७२केँ बिरोधमे अहूबेर तराइ-मधेशक्षेत्रमे बिरोध कएलगेल छै । शनि दिन जनता समाजवादी पार्टी नेपालद्वारा मिथिला नगरि जनकपुरधाममे बृहत् बिरोध प्रदर्शन कएलगेल छै ।

स्थानीय जनकचौक पर जसपा समर्थिक हजारो कार्यकर्ता, नेता एकठाम जम्मा भ’क’ नगरमे नारा लगबैत बिरोध जुलुस प्रदर्शन कएलक । संविधान बिरोधी जुलुसमे प्रदेश २ के भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री जीतेन्द्र सोनल, जसपा नेता संघीय साँसद उमाशंकर अरगरिया, प्रदेशसाँसद प्रमेश्वर साह , रामअशिष यादब, वार्ड नं.७के अध्यक्ष जानकी राम साह, युवा अभियन्ता संजय चौधरी, जनकपुरधामके उपप्रमुख रीता झा मिश्र, महिला नेत्री विभा ठाकुर, बिन्दु ठाकुर, विभा पाण्डे आदि सहितके दलगत लोकके हुजुम सामेल छल ।

प्रदर्शनमे सामेल जसपा नेता, कार्यकर्ता एवं समर्थकसब प्रधानमन्त्री केपी ओली नइ चाही ! नइ चाही-नइ चाही !! मधेश बिरोधी संविधान स्वीकार्य नइ होएत नइ होए । संविधान संशोधन जल्दी कर जल्दी कर । जनघाती सरकार मधेशके मांग पुरा कर ! जेहन बिरोधात्मक उत्तेजक नारा धनकबैत नगरभैर बिरोध प्रदर्शन कएलगेल । तेकराबाद पुनः जनकर्चौकमे आइबक कोणसभामे परिण भ’क’ संविधान बिरोधी जुलुस सभा समापन भेल ।

नव नेपालके नवका संविधान-२०७२ साल आश्विन-३ गते जारी भेल छल । एकदिस संविधान जारी भेला पर खुशीयालीमे एकवर्ग दिपोत्सव मनौलक । दोसर दिश तराइ मधेशमे ब्लेक आउट दिवस मनाओल गेल । जे क्रम अहुबेर दोहराएल । मुदा मधेशवादीयो दल अहि संविधान अन्तर्गत सत्ता आ सरकारमे सन्हियाएत आएल छै तखन बिरोधी स्वर चिन्तन कत’ हेराइछै, राम जाने ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया