सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । किछ पत्रकारसभ पर अखनु अधिक संकट मडरारहल छै । प्रकृति रुष्ट भेने दूटा पत्रकार दैहिककष्ट भोग पर बाध्य बनल छै । कष्ट भोगी पत्रकारमे एकटा धनुषा निवासी आ एकटा महोत्तरी वासी छैथ । धनुषाबासी पत्रकार नेपाल टेलिभिजनमे कार्यरत् पत्रकार श्रीनारायण साह,महोत्तरीके रेडियो पत्रकार धनवीर कुशवाहा दैहिककष्ट भोगी पत्रकारमे अखनु परल छै ।
परसुखुना पत्रकार साह सासुरमे चापाकल पर खैस परलाह आ गाङ्ग टुइट गेलै । महोत्तरी गौशालाके एफएमकेँ पत्रकार कुशवाहाके मधुमाछी काइट लेलास’ हुनक देहतुम्मा भगेल छै । ओ अस्पतालके शैय्या पर कुँहैर रहल छै । पत्रकार साह अपन सासुर धनुषाके बेला गाममे साउस सरस्वतीदेवी साहकेँ निधन पछाइत क्रियाक्रममे गेल छलाह ।
सासु मायके श्राद्धकर्म समाप्तीके दोसर दिन चापाकल पर पाइन भरब लेल गेला पर पीछैरक पत्रकार साह खैस परला आ हुनक दाहिन टाङ्ग टुइट गेलै । ओइ बथे ओ सासुरेमे ओछ्याओन ओगरने छैथ । हुनक ठेहुनके गोलचक्करी चूर्र भगेल छै । चिकित्सकीय उपचार पछाइत हुनका पूणर्तया विश्राम करब डाक्टर बतौने छै । ओ टाङ्गबथे परल रहैत छैथ आ कखनो काल ककरो सहारास’ अथवा देबाल आदिके सहारास’ खाड़ भ’क’ बूल डहल करैत छैथ ।
धनुषाके पत्रकार श्रीनारायण साह एवं महोतरीके धनवीर कुश्वाहा , दूनु अधमरु घाहिल अवस्थामे ।
पत्रकार साहकेँ एक प्रकारस’ दिनता लागल छै ओ कहल जासकैए । मुदा हुनक आत्म शक्ति आ सात्विक खानपान शुद्ध बिचारक कारण प्रकृति पिताइयो गेला पर हुनका संग दैत आएल छै । हँ,शारीरिक कष्ट कनेक उठाब पैर रहल छै । किछुए महिनामे ओ दुरुस्त भजएताह । ओ अपेक्षा कएल जाए ।
महोत्तरीके पत्रकार कुशवाहा रिर्पोटिङ्गके क्रममे जाइत काल जङ्गलीया मधुमाछी हुनका लुधैकक काइट लेलकै । ओइस’ देहतुम्मा भगेल छै । बेचारेके देहमे लहर जोर मारने छै । दरदस’ कुँहरैत अस्पतालमे उपचार करा रहल छै । जुझारु क्रान्किारी विचारधाराकेँ पत्रकार साह आ कुशवाहा दूनुगोटेकेँ शिघ्रस्वास्थ लाभके कामना विभिन्न संचारकर्मी तथा संञ्चार संगठनसब कएलक अइ । सीमाञ्चल परिवार दूनुगोटेकेँ शिघ्र स्वास्थलाभके कामना करैत छै ।
प्रतिक्रिया