सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सामाजिक सञ्जालमे दाहाकेँ चित्र प्रदर्शनके विषयमे देवपुरा-रुपैठा गाममे भेल दूटा समुदायबीचके घमाशान ततकाल ठमकल अवश्य छै । मुदा तनातनी कनाकनी जारी छै । सम्भावित घटनाकेँ देर्खैत सुरक्षाकर्मी आइयो परिचालन कएलगेल छै । स्मरनीय छै- ‘‘ जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.२० के देवपुरा-रुपैठामे शनिदिन हिन्नु मुश्लमान बीच घमाशान मैचगेल । एकटा चित्रके फेशबूकमे पोष्ट करब एवं लिखलगेल टीप्पणी प्रतिके विषय ल’क’ दू समुदायके युवाबीच कहासुनी होइत हबाइत बूढ़-जुआन, सियानसब सामेल भगेल ।
भिन्सर आठबजेस’ शूरु बतकटौवल ११ बजेस’ दूनु समुदायबीच घमाशानी रुप ल’लेलक । इंटा-पाथर एकदोसर पर बरसाबकेँ काज भेल भला,गराँस धैर एकदोसरकेँ जब्बह करब लेल निकैल गेल । जनकपुर जटही मार्ग रणक्षेत्र जकाँ देखाएल । सुरक्षार्थ पुंगल प्रहरीकेँ गोली चलाबधैरके अवस्था देखते देखते श्रृर्जना भगेल । अवस्थाकेँ नियन्त्रणमे लेबलेल प्रहरी सात राउण्ड अश्रुगैसके गोली छोड़ल , हबाइ पायर करब लेल बाधित भेल । तखन अवस्था काबुमे आएल ।
सनातन धर्म मानबाला हिन्नु समुदायकेँ महिलासबद्वारा मनाओल गेल जितिया पर्वकेँ फोटो अभद्र टीप्पनी करैत पोष्ट कएलगेल छल । ओहि पर आपसमे दूनु समुदायबीच छलफल घर्मथन चलिए रहल छल । परात भेने मुश्लिम समुदायक दाहा भेल ओकरो फोटो समाजिक सञ्जालमे पोष्ट कदेलगेल । बस ओहि बातकेँ घटिया मानसिक्ताकेँ लोक कट्टरबादीधर्मक ठेक्केदारसब तुल ददेलक आ समाजिकस्तर पर व्यमन्सयक बीया छिरियाबके काज भेल । ओहिस’ दूनु समुदायबीच घमाशान शुरु भगेल । सुरक्षाकर्मीसभ परिचालन रहने अवस्था बाहरी रुपमे समान्य देखा रहल छै । मुदा भितरे भितर दूनुपक्षबीच टेनमेनी जारी रहल छै ।
देश धर्म निरपेक्षता दिश चैल आएल छै । धार्मिक कट्टरता कोनो तरहक नीक नइ मानल जासकैए ! ताहुमे समाजिक स्तरपर खल्लबल्ली मचाएब, आरो स्वीकार्य नइ हुअ सकैए । समान्य लागबाला घटना होइत-होइत हिंसक अराजक भजाइत छै । माइर-मरौबल, गरा-गरौबल, हिंसा-हत्या जेहन अकल्पनीय घटना काज भजाइत छै, ।
धार्मिक उन्मादमे हिंसा अधिक बढ़ैत छै । राजनीतिक रोटी सेकबाला अइके अपना-अपना हिसाबस’ तुल दिअ लगैत छै जे काज आब शुरु भेल छै । धार्मिक आस्था लोक विश्वासस’ जुड़ल रहैत छै । मुदा धर्मक किछुए कट्टरवादी ठिक्कदारसबके हब्बा देलास’ पैघस’ पैघ घटना होइत छै । अइप्रति समाजके हरेकवर्ग समुदायकेँ सजगता आ सर्तकता आवश्यक छै । अन्यथा पैघ दुर्घटना हुअ सकैए ।
प्रतिक्रिया