NewUpdate
सीमाञ्चल समदिया, जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके मिथिला बिहारी नगर पालिका वार्ड नं.५मे ससुर-पुतहुचक्कर चाइलमे बाप आ बहुकेँ माइरक मटिया देलगेल अवस्थामे शव भेटल छै ।
धनुषा प्रहरीस’ भेटल जनतब अनुसार मिथिला बिहारी नपा वार्ड नं.५के ललीया गाम निवासी ५५ वर्षीय रामबृक्ष मण्डल‘चैता’के,हुनकर बेटा ३० बर्षीय भागेश्वर मण्डल हत्या कदेलक । भागेश्वर अपन घरनी २१ वर्षिय अमृताकुमारी मण्डलकेँ सेहो माइरक माटि तरमे गाइर देलक ।
दूनुके शव गाड़ल अवस्थामे प्रहरी उत्खन्न क’क’ अपना नियन्त्रणमे लेने छै । शव परिक्षण हेतु प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाममे पुंगाओल गेल छै । घटनाके विस्तुत अनुसंधान जारी छै ।
रविराति बाप बहु दूनुके हत्या क’क’ रातिएमे बारह-एक बजेघरस’ पचास मीटर जतेक दूर आमकेँ फूलवारीमे लजाक शवके गाइर देलक । हत्या कएल बात भागेश्वर प्रहरी समक्ष स्वीकारने छै, जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाके डिएसपी जितेन्द्र बस्नेत पत्रकारसभकेँ बतौने छैथ ।
जनकपुरधामस’ पुरुब-उत्तरमे अवस्थित ललीया गाममे स्थानीय भागेश्वर मण्डल अपन बाबु एवं अपन घरबालीकेँ एक्कैसंग माइरक फूलवारीमे गाइर देने छल । गौवाँसभ ओकर बाप आ बहुके नइ देखला पर चांइ-चुँइ करए लगला पर एककान-दूकन होइत प्रहरी लग बात पुंगला पर भागेश्वरके प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक । तेकराबाद मटियाएल स्थानस’ आइ मङ्गलदिन भिन्सर दूनु शव उखारल गेल छै ।
प्रश्न उठैत छै अपन जुवान घरवाली एवं अधबैस बापके एककै संग किएक हत्या जेहन संगीन अपराध करए पर भागेश्वर बाध्य भेल । ससुर पुतहुबीचके चक्कर चालिके नतिजा त’ नइ छै । अइ सभ सम्भावना पर प्रहरी अनुसन्धान जारी रहल बताओल गेल छै । अखनु आशंका मात्र कएलगेल छै ।
हत्याक कारण
ससुर आ पुतहुबीचके चक्करचालि देखक आबेशमे आइबक भागेश्वर डोरीस’ बान्हिक कोदाइरस’ दूनुके माइर-काइटक हत्या कएने प्रहरीके प्रारम्भिक अनुसंधानमे ओ स्वीकारने छै ।
गाममे रहल शिव मन्दिरके कुँजी रामबृक्ष अपना संगमे राखैत आएल छल । ओहे कुँजी लिअलेल रामबृक्षके भाय चन्द्रहँस मण्डल भैयाके खोजीमे घर गेल । घर भितरमे गेला पर रक्तक छिटकासभ देखलक । ओतहिस’ हत्याके आशंका जोर पकरलक । होइत हबाइत बात प्रहरीके कानधैर पुंगल आ प्रहरीके सोकजगर प्रयासस’ सत्य समाजक आगु आएल छै ।
तरुणावस्थाके कन्या आ बृद्धाअवस्था दिस डेग बढा चुकल ससुरबीचके चक्कर चाइल अनैतीक सम्बन्धके एकटापति सहन कोना करत….! भागेश्वर तत्काले आवेशमे आइबक हत्या सन जघन्य अपराध करए पर बाध्य भेल,अपन बाप एवं बहु दूनुकेँ याहलीला समाप्त कए देलक । आब एहन बात केकरा कोना कहल जाए, बुझनीक लोकक कहब छै ।
प्रतिक्रिया