सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पर्यटकीय नगरि पोखरास’ मुस्ताङ्ग जिलाके जोमसेम लेल उड़ल विमान दुर्घटनामे पड़ल छै । राजधानी काठमाण्डौस’ जारी समाचार अनुसार अखनुता सवाएक बजे विमानके चालकके नम्बरमे सम्पर्क कएला पर मोबाइलके घण्टी टनटनाएल मुदा मोबाइल उठल नइ ।
एहन जानकारी त्रिभूवन अन्तरराष्ट्रिय विमानस्थलके महाप्रबन्धक प्रेमनाथ ठाकुर सञ्चारकर्मीसभके देने छैथ ।
‘‘पाइलट प्रभाकर घिमिरेके मोबाइलमे फोन कएला पर रिङटोन बाजल मुदा फोन उठल नइ । नेपाल टेलिकमस’ मोबाइलके लोकेशन पता कएला पर मुस्ताङ्ग जिलाके टीटीक्षेत्रमे लोकेशन देखाएल ।
टीटी ताल दिशामे ब्यक्तिके पठौला पर विमानके पता नइ लागल’ महाप्रबन्धक ठाकुर जनौने छैथ ।
‘‘ आइ रविदिन भिन्सर ९ः५५ बजे पोखरास’ जोमसोम लेल विमान उड़ान भड़ने छल । जाहि विमानमे तीन चालक दल सहित २२ गोटे सवार रहल छैथ ।
विमान उड़लाके १२ मीनट बादेस’ विमान सम्पर्क विहिन भगेल । मुस्ताङ्गके लेते नामक तालक्षेत्रस’ विमान सम्पर्क विहिन भगेल ।
विमान खोजीमे दूटा हेलिकप्टर पठाओलगेल । मुदा अनुमान कएल दुर्घटनास्थल लगमे प्रतिकुल मौशमके कारण हेलिकप्टर अवतरण नइ सकल’’ बतौने छैथ ।
नेपाल वायुसेवा सञ्चालक संघके प्रवक्ता योगराज शर्मा कडे़ल तारा एयरके विमान दुर्घटना भेल पुष्टि कएने छैथ । मुदा दुर्घटनास्थलधैर पुंगब काज नइ होब सकल,कहने छैथ ।
थापाङ्ग गाउँ पालिकाके लार्जुङ्गस’ बामक्षेत्र दिशमे चट्टीखोंचदिश दुर्घटना भेल अनुमान कएलगेल जनतब सेहो प्रवक्ता कडेल सञ्चारकर्मीसभकेँ देने छलाह ।
विमानमे रहलसभकेँ मृत्युके आधिकारिक पुष्टि नइ भेल छै मुदा विमान दुर्घटनामे बांचब सम्भावना अत्यन्त न्युन रहैत छै ।
तहिना तारा एउर सेहो आधिकारिक रुपस’ विज्ञप्ति जारी क’क’ विमाण दुर्घटना बारेमे सुचना सार्व जनिक कएने छैथ । जे एहि समाचारसंग देखल जासकैए ।
प्रतिक्रिया