सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलास’ प्रतिनिधीसभाके पूर्वसांसद, नेकपा एमालेके पोलीटब्युरो सदस्य एवं प्रभावशाली दबंग नेता योगनारायण यादवके असामयिक निधनप्रति सबैलाबासी आहत भेल बतौने छै ।
धनुषाके सबैला गाम निवासी यादवकेँ निधनस’ क्लव परिवार स्तब्ध आ मर्माहत भेल बतौने छै । यादवके देहावसानस’ गुराँस युवा क्लब, सबैलाके क्लव परिवार तथा सम्पूर्ण सबैला नगरबासी एवं क्षेत्रवासी एकटा कुशल अभिभावक गुमौलक तेकर पिडा बोध करहल छै । क्लबके अध्यक्ष नथुनी यादव ‘हरेराम’ बिज्ञप्ति मादे जनतब देलक अइ ।
मातृभूमि सबैला नगरसहित क्षेत्र एवं धनुषा जिलाके विकासलेल दिवंगत यादव सदैव चिन्तनशिल रहैत छलाह । हुनक लोकप्रियता आ हमरासभकेँ परम शुभेच्छुकके अभाव सैदखन महशुस होइत रहत । चीर स्मरणीय रहत । शोक वक्तव्यमे कहल गेल छै ।
दुःखके अइ घडि़मे मृतआत्माके चीर-शान्तिके कामना करैत दिवंगत नेता यादवप्रति भावपुर्ण श्रद्धाञ्जलि अर्पण कएलगेल छै । संगेसंग शोकाकुल परिवारजनमे धैर्य धारण करब शक्ति माता जगदम्बा दुर्गा-भवानी प्रदान करथीन सेहो प्रार्थना क्लव परिवार करैत छै ओ अध्यक्ष हरेराम जनतब करौने छैथ । पूर्वसांसद एमाले नेता योगनारायण यादवकेँ कारोनास’ दू दिन आगु मृत्यु भेल छल ।
प्रतिक्रिया