जनकपुरधाम । मिथिला नगरि जनकपुरधाममे दलीतक दशा पर केन्द्रित बहसमे दलीत विकास समितिके अधिकारी सहभागिता नइ होब सकला पर खिन्नता व्यक्त कएलगेल ।
मङ्गल दिन स्थानीय एकटा होटलमे दलीतक दशा पर कार्यक्रम आयोजित छल । कार्यक्रमक आयोजन दलीत जन कल्याण क्लब लहानव्दारा कएलगेल छल ।
‘ प्रदेश स्तरीय दलित सशक्तीकरण ऐन, नीयमाबली कार्यान्वयनके अवस्थाआ चुनौती’ विषयक छलफल कार्यक्रम आयोजित छल ।
कार्यक्रममे दलीत उत्थान हेतु कार्यकरैत आएल मणिलाल बिश्वकर्मा कार्यपत्र प्रस्तुत कएने छलाह ।
दि फ्रिडम् फण्डके सहयोगमे भेल कार्यक्रममे प्रस्तुत कार्यपत्र पर बालाराम भट्टराई टीप्पणी कएलाह । मधेश प्रदेशके आठो जिलाके दलीत संघ संस्थास’ सम्बद्ध प्रतिनिधि एवं दलीत समुदायक अगुवा, हरुवा चरुवासभ समेत कार्यक्रममे सामेल छल ।
मुदा जिनका बेश सरोकार राखक चाही प्रदेश सरकार मादे गठित ‘दलीत विकास समिति’ एहि समितिक कोनो गोटे उपस्थित नइ छल केहन बिडम्बना आ दुर्भाग्य गप्प छै ! बुझल जाय ।
कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि प्रदेश नीति आयोगके उपाध्यक्ष नाथु प्रसाद चौधरी, विशेष अतिथि मधेश प्रदेश सरकाराधिन शिक्षा तथा समाज कल्याण मन्त्रालयक सचिव लक्ष्मीप्रसाद भट्टराई सहभाग छलाह ।
दलीत विकास समितिलेल पहिने पाँच करोड़, फेर १२ करोड़ आ आब ३२ करोड़ जतेक रकम छुटियाओल गेल छै दलीतसभके उत्त्थान विकास आ लुइर बुइध सिखाक दक्ष बनाब लेल । मुदा समिति कोनो चांइख नइ लैत आएल छै ।
समितिक अध्यक्ष मुख्यमन्त्री होइत छै । उपाध्यक्ष सर्लाही जिलावासी रामप्रवेश बैठा छै । दूटा महिला आ दूटा पुरुष दलीत सदस्य सहितके समिति कायम भेल छै मुदा आपसमे तालमेल नइ मीललापर काज अबरुद्ध छै । एहिस’ सरकारके कोनो दोष नइ समितिके लोकके दोष छै ।
अपने दलीत सुमुदाय एहिलेल हरोर करु हुनकासभकेँ चरियबियौ तखन किछु होएत की ।’ अपन अपन धारना राखैत ओ सभ एहन आश्य ब्यक्त कएलाह । आयोजक ‘दलीत जन कल्याण क्लब’के अध्यक्ष बिनोद चौधरीके सभापतित्वमे एक दिने कार्यक्रम भेल ।
कार्यक्रममे कार्यक्रम संयोजक धनेश्वर यादव,सिरहास’ सहभागी रामजोती मण्डल, श्यामसुन्दर सदा, बाराके दीपनारायण पासवान,सहित दलीत समुदायक पीडि़त अधिकारबोधी लोक अपन-अपन कथा-व्यथा सुनौलैथ ।
संघीय साशन व्यवस्था अन्तर्गत देशमे सात प्रदेश कायम भेल । सातो प्रदेशमे नीयम कानुन बनाबमे मधेश प्रदेश आगु रहल । ओहिक्रममे दलीतके दशा सुधार करब हेतु सातप्रदेश मादे मधेश प्रदेश दलीत सम्बन्धि ऐन कानुन बनाबमे अग्रतामे रहल ।
एतबे नइ दलित विकास समिति समेत प्रदेश सरकार गठन कएचुकल छै । एहि हेतु दलीत समुदाय अत्यन्त हर्षित छै ।कोनो प्रदेश नइ कर सकल ओहन काज मधेश प्रदेश कएलक । मुदा प्रदेश सरकारद्वारा गठीत दलित विकास समिति साफे निस्कृय भगेल छै ।
बजेट देलो पर किछु नइ कसकल छै । तैँ दलीतक दशा पर आओर इन्होर हेरागेल पीड़ादायी अभिव्यक्ति दलीत समुदायक अगुवा एवं सरोकारबालासभ सेहो एतह सम्पन्न कार्यक्रममे एक स्वरमे व्यक्त करैत गेलाह ।
२०७६ साल, मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके कार्यकालमे दलीत सम्बन्धी ऐन एवं २०७८ सालमे नीयमाबली बनाबके काज प्रदेश सरकार पुरा कएलक । सात प्रदेश मादे मात्र मधेश प्रदेश दलीतसभके उत्थान हेतु ऐन, नीयम कानुन बनाब सकल छै ।
आयोग गठन एवं बजेट निकास समेत कचुकल छै । एहिलेल मधेश सरकार धन्यवादक पात्र छै मुदा कार्यान्वयमे कमजोरी भरहल छै ओहि दिस सक्रियता देखाएब परम आबश्यक छै ।
प्रतिक्रिया