दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल

२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया

  • 27
    Shares
पत्रकार सम्मेलनमे सहभागी पत्रकार एवं जायसवाल एवं हुनक शुभचिन्तकसभ । चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

जनकपुरधाम । धनुषा जिला सबैला निवासी रामचन्द्र जायसवाल हमरा षडयन्त्रपूर्वक बदनाम क’क’ चरित्र हत्या करब प्रयास कएलगेल अभिव्यक्ति पत्रकारसभ समक्ष देलाह ।

 

लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी नेपालके सबैला नगर अध्यक्ष समेत रहल रहल छैथ जायसवाल । ‘‘ पत्रकारीताके मर्म आ धर्म विपरित किछु सञ्चारकर्मी एवं सञ्चार संस्था समान्य बातकेँ बतंगर बनाक, अतिरंजित हिसाबस’ समाचार प्रस्तुत कएलक ।

 

जाहिस’ सामाजिक सद्भाव समेत बिगारके काज भेल छै ! एक आपसमे दूरी बढ़ाक व्यमनस्यता जन्माबके काज भेल छै ! कि ई पत्रकार आचार संंहिता एवं पत्रकारिताके नियम बिपरित काज नइ भेल ? उपस्थित पत्रकारसभस’ उन्टे प्रश्न कएलाह ।

 

एहे भादव बितल पाँचदिन आगुके बात छै । जयसवालकेँ घरे लगमे रहैत आएल कोशिल्या देवी दासके मारलक कहिक आरोपित कएलगेल छल । जखनि की ओहि दिन नइ कोशिला छल आ नइ ओकरा हम कहियो मारब पीटब प्रयास कएने छी ।

 

हँ, एक दिन बजार पर पान खाक अबैत रही त’ हमरा किछु गोटे मारब लेल उनुस कएलक त’ हमर स्टाप ओकर बेटा भरोसी सदाकेँ कनिक धकिया-कशियाक देलकै बस !

 

एहे बातके बतंगर बनाक दलित महिलाके ओदवाद कएलक, दलित माय बेटाकेँ लोसपा नेता जायसवाल मारलक पीटलक आदि फब्वारा जोडि़क हमरा बदनाम करब काज कएलगेल छै । बुधदिन बेरियामे पत्रकार सम्मेलन मादे सफाइ स्वरुप सबटा बात जायसवाल खुलस्त कएलाह ।

 

जे महिलाके मारब बात कहल जारहल छै ओ एतह रहबो नइ करैत छै । किछु दिनस’ बरकुर्बा रहैत छै । हुनका खून पहिनहीस’ गिरैत आएल छै ओ किछु महिलासबस’ ज्ञात भेल ।

 

पत्रकार सम्मेलनमे सत्यताक पुष्टि करैत भरोसी दास । उपस्थित एक ग्रामिण महिला । चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

बेटाके मारि बहन्ने हमरो मारलक जाहिस’ खून गिरैए कहिक बदनाम कराबके षडयन्त्रपूर्वक काजमे दलित परिवार किछु राजनीतिक दाउपेंचके सिकार भेल ओहो बात खुलस्त ओ कएलाह ।

 

महिला हमरास’ ऋण लेने छै । ओहो हम मात्र दू रुपैया महिनामे बियाज पर रकम देने छिऐ । तैँ हमरा मीटर बियाजी कहिक सेहो बदनाम करब काज नियोजित रुपमे कएल जारहल छै । हमरा उन्टे गरीयाबे तेकर साक्षी स्वयं ओकर दर-दियात छै ।

 

घटना कहल दिनके बातकेँ साक्षी स्वयं ईलाका प्रहरी कार्यालयके प्रहरीसभ सेहो छै । हमर गल्ती एतबे जे हमरा बैजति सह नइ सकला पर हमरा सामने हमर स्टाप दलित पुरुष भरोसी दासके ठोंढिया देलकै बस !

 

पत्रकार सम्मेलनमे उपस्थित ग्रामिणसभबीच लालजम्मामे लोसपा नेपालके सबैला नगरअध्यक्ष रामचन्द्र जायसवाल । चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

पत्रकार सम्मेलनमे समाजसेवी जायसवालके बातके पुष्टि करैत कोशिला दासके दियादी देउर किरण दास प्रचलीत फकरा पड़ैत—‘‘लेना नइ देना बिना हुक्कीके बेना’’! जे लोक रहबे नइ करै तेकरा के कि मारतै ! फूयस फंसादी बात रहल खुलस्त कएलाह । तहिना जायसवालके स्टाप बिन्दे यादव सेहो अपन आशय ब्यक्त कएलाह ।

 

दलित उपर योजनाबद्ध तरिकास’ मारापीटी करब कराएब एवं आक्रमणके नेतृत्वकर्ता, मीटर ब्याजी कहब, बातमे सत्यता एकोपाइ नइ छै । ओ दाबीसंग पत्रकार सम्मेलनमे निराधार आरोप कहैत नेता जायसवाल शब्दरुपी सफाई सबूत प्रस्तुत कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
नगरमे तिन-तिन ठाम भव्य नागपुजा
२०८० भाद्र ५, मंगलवार ००:०३
सीमाञ्चल समदिया