सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेस भितरके गुटबाजी आ फूटबाजी चरमपर पुंगला पर एवं आपसी सहमति कायम नइ भेलापर प्रदेश दूके महाधिवेशन अनिश्चितकाल लेल स्थगन कएलगेल छै ।
नेपाली काँग्रेसके केन्द्रिय सदस्य एवं प्रदेश-२के अधिवेशन कराबके जिम्मेवारी पौने रमेश रिजाल अइ बातके जनतब देलाह । सोमदिन मिथिला नगरि जनकपुरधाममे स्थानीय एकटा होटलमे पत्रकारसभ सकक्ष ओ विभिन्न कारणस’ प्रदेश-२के महाधिवेशन अनिश्चितकाल लेल स्थगित कएलगेल बतौलाह ।
महोत्तरी क्षेत्र नम्बर-३के, सर्लाही, सप्तरी रौतहट समेतके जिलामे दल भितके गुटबाजीके कारण विवाद रहने क्षेत्रीय अधिवेशनसभ नइ हुअ सकल छै । गुटमे फूट रहल छै ।
नेकाँ सभापति शेरबहादुर देउवा, बरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल, उपसभापति एवं प्रदेस २के धाकर काँग्रेसी नेता बिमलेन्द्र निधिके पार्टीभितर फरक-फरक गुट छै । तैँ सभमे तालमेल नइ मीलला पर अधिवेशन प्रदेश दूके स्थगन कएलगेल, ओ बुझल जासकैए ।
आब अधिवेशन कहिया होएत ? ओ प्रश्न कएला पर प्रदेश निर्वाचन संयोजक रीजाल बजलाह केन्द्रिय निर्देशन जहिया होएत ओहि समयमे होएत ! अखनु तत्कालके लेल प्रदेश दूके महाधिवेशन स्थगन कएलगेल छै ।
स्मरण रहे एहे अगहन-२४ गते केन्द्रिय महाधिवेशन करब तिथि निर्धारित छै । ओहिस’ पहिने प्रदेशके अधिवेशन करब अनिवार्यता छल । जेकरा लेल प्रदेश दूके प्रस्तावित राजधानी मिथिलानगरि जनकपुरधामके ऐतिहासिक तिरहुतिया गाछीमे प्रदेश महाधिवेशन करब तयारी कएल गेल छल ।
सभतयारी पुरा भ’क’ अधिवेशने स्थगित भेल छै । जाहिस’ सुच्चा काँग्रेसी नेता, कार्यकर्ताके उच्च मनोबलमे गिराबट आएल छै । मुदा दलीय दबावके ओजहस’ सभ खुइल बकार नइ फोइर सकैए । चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया