सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रदेश-२के भूमिव्यवस्था,कृषि तथा सहकारी मन्त्रालयमे सचिवकेँ बहालीके विषयमे अखनु फेर चर्चामे छै । मुदा साकारात्मक चर्चाके स्थान पर नाकारात्मक प्रसार बेसी भरहल छै ।
उक्त मन्त्रालय अन्तर्गत ३ वर्षकेँ अवधिमे ६ टा सचिव आएल गेल, तेहन केन्द्रीय सरकारके कर्मचारी बदली करब खेलाबेला चलैत आएल छै । एहनमे कि जनअपेक्षित काज सरकार कर सकत आ कि एतुका समाजके भल हुअ सकत । हँ बदनामी अरबैसक भेटतै , उपरागी प्रदेश सरकार बनत से बैन रहल छै ।
मन्त्रालयमे आएल नवका सचिवकेँ ठूकहि नइ दए रहल छै मन्त्री महोदय तेहन आरोप छै — ‘‘हमरा बारेमे अनरगल प्रचार बाजी कएल जारहल छै । मन्त्री सचिवके हाजिर हुअ नइ द’रहल छै । काज नइ कर द’रहल छै । ई सभ खेरहा भ्रामक छै । ’’ प्रदेश दूके भूमिव्यवस्था,कृषि तथा सहकारी मन्त्री शैलेन्द्रप्रसाद साह बतौने छै ।
संघीय सरकार अनावश्यक रुपमे सचिवके जखनी मोन भेल तखनी अदलाबदली करैत रहैत छै । अइस’ हमरासभकेँ (मन्त्रालय)के, प्रदेश सरकारकेँ काज करेमे दुबिधा होइछै , असुविधा होइछै । तही दुवारे हम संघ सरकारकेँ ओइ प्रबृतिकेँ बिरोध कैने छी,करैत छी ! सचिवकेँ बिरोध नइ !! बुझ आ बुझाबबाला बात एहे छै । हमर अइ बातकेँ गलत अर्थ लगाक किछु मिडियामे प्रचारित करब काज नियोजित रुपमे कएलगेल छै । सीमाञ्चल समदियासंगेके गप्पसपप्मे ओ बतौलाह ।
प्रदेश सरकारकेँ कोनो जनतब नइ द’क’ एकाएक सचिव, आनआन कर्मचारीकेँ सेहो बदली कदेल जाइत छै । अवाक भजाइ छी हमसभ । अइतरहें सभ किछु होइतो मन्त्रालयके काम लेल सचिवकेँ मूँह ताक पड़ैत छै । एनामे कोनो सोकजगर काज नइ कएल जासकैए । संघीय सरकार कर्मचारी वदला बदलीकेँ लेल मनपर्दी नीति जे अख्तियारी प्रदेश दूके हकमे करैत आएल छै । ओइ प्रवृतिकेँ बिरोधी हम शुरुएस’ छी , प्रवृतिमे संघ सरकार सुधार करो । तखने सहजतापूर्वक काज हुअ सकत । मन्त्री साह बतौलाह ।
भुमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी मन्त्रालयमे डा. सम्झना कुमारी काप्mले हाजिर हुअ आएल छथिन । तिनका मन्त्री साह हाजिर हुअमे आनाकानी कएरहल छै । ताहि दुवारे ओ अपन श्रीमान् संगे चलु देखैछी कहैत सचिव काप्mले मन्त्रालय आएल आ ओइस’ पहिने पत्रकारसभकेँ जुटान कलेने छल । अपन श्रीमानके कहल बात सत्य नइ भेलै मुदा मीडियाबाजी शुरु भगेल । बस एहे बात छै मन्त्री साह खुलस्त कएलाह ।
प्रतिक्रिया