सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘मिथिला उद्योग बाणिज्य संघ ढल्केवर’के प्रथम साधारणसभा भेल छै । संघके तदर्थसमिति अध्यक्ष तेजनारायण साहकेँ सभापतित्वमे एवं मिथिला नगर पालिका के मेयर हरिनारायण महतोके प्रमुख आतिथ्यमे पहिल इतिहासिक सभा भेल छै ।
शनि दिन भेल सभामे‘‘ढल्केवर नगरपालिकाक्षेत्रकेँ औधौगिक, विकासकेँ लेल, ब्यापरिक प्रतिष्ठानकेँ लेल उचित पूर्वाद्धारकेँ विकास नइ भेने उद्योग-ब्यवसाय पसर-फैल नइ सकैए । अइकाजमे सहयोगी हातके रुपमे मिथिला उद्योग बाणिज्य संघ संगठित रुपमे आगु बढ़ल छै । ई एकटा साकारात्मक पक्ष छै’’ कहैत मेयर महतो प्रशंसा ब्यक्त कएलाह ।
‘‘ हमरासभकेँ नगरपालिकाकेँ कि करए पड़तै जाहिस’ उद्योगी ब्यवसायीसभकेँ लेल नीक रहतै ओ कहल जाए, एकटा ‘रोडम्याप’ तयार कएल जाए, ओहि मुताविक नगर पालिका कान्हमे कान्ह मीलाक अपनेसभेँ जौरे चलब लेल तयार रहत ।’’ अपन धारना राखैत प्रमुख अतिथि मिनपा मेयर महतो कहलाह ।
‘‘ ब्यापारिक आ औधौगिक केन्द्र बनलास’ क्षेत्र जगजियार होएत, जनताकेँ जीवनस्तरमे सुधार होएत, रोजगार श्रृजना होएत । तेहन लाभान्वित काज करबमे राज्यस’ सहयोग लेल समेत हम पहल करब, अपनेसभ गाइड लाइन देल जाए, कि केना कथी करए चाहैत छी ’’ ! मेयर महतो सेहो प्रस्ताव अपन सम्बोधन मादे मांग कएलाह ।
संघ अध्यक्ष तेजनारायण साह अध्यक्षीय मनतव्य राखैत कहलाह -‘‘कोनो उद्योग ब्यवसायकेँ विकास बिस्तार लेल सभस’ पहिल काज हुअ चाही शान्ति सुरक्षा,तेकराबाद लोकके अनुशासन आ क्रेतासंगे मर्यादित व्यवहार करब गुणकेँ विकास हुअ चाही ! कच्चा माल-पदार्थकेँ सहज पहुँच आ उपलब्धतामे रहल किछु जटिलताकेँ हटाओल जाए चाही । ’’
‘‘ नगरमे सरसफाई हेतु चेतनशील नागरिककेँ रुपमे ब्यापारीसभ सन्देश वाहक भसकैए । संघ अध्यक्ष साह कहलाह । अपन-अपन प्रतिष्ठान, घर-दोकान आगा सभगोटे इमान्दारीस’ सफाई करए, सुथर राखए त’ नगर आपरुप सफा सुथर रहत ! ककरो मुँह नइ ताक पड़त जे सफाई कोना आ के करत । अइ दिशामे हमसभ काज करब ओ लक्ष्य छै’’ सेहो भरोस अध्यक्ष साह सहभागीसभकेँ दियौलाह ।
ब्यापारीसभकेँ राज्य शंक्खे शंक्खाके रुपमे देखैत आएल छै । मुदा ब्यापारीसभकेँ पीड़ा दिस कहियो ध्यान नइ दए रहल छै । जाहिस’ उद्योगी ब्यापारीकेँ समय-समयमे बहुत राश समस्याकेँ सामना करए पड़ैत छै । व्यापारी नेता,सेवकसभकेँ बहुत राश तालमेल मीलाक चलब बाध्यता रहैत छै । अइमे उपरस’ हुअबाला सुधार दिश पहल हुअ चाही; जाहि लेल हमहुँसभ प्रयत्नशील छी आ रहब ।’’ कार्यक्रममे जनकपुर उद्योग बाणिज्य संघकेँ सचिव एवं बरिष्ठ उपाध्यक्षकेँ उम्मेदवार सुरेन्द्रकुमार भण्डारी अपन धारना राखैत कहलाह ।
कार्यक्रममे मिथिला नगर पालिकाकेँ वार्ड अध्यक्षसभ, ईलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केवरकेँ इन्चार्ज, भद्र समाजिक लोक, विभिन्न दलकेँ अगुवा, सभ सेहो अपन अपन धरना समेत राखने छल ।
२०७६ साल माघ १० गतेमे मिथिला उद्योग बाणिज्य संघ गठन भेल । २०७७ आश्विन १गतेमे विधिवत् जिला प्रशासन कार्यालयमे निबन्धित भेल जकर दर्ता नं.२६१९ रहल तथ्यांकस’ बुझएमे आएल ।
संस्थापक सभमे अध्यक्ष साहकेँ अतिरिक्त उपाध्यक्ष सन्तोषकुमार महतो, महासचिव दीपक लामा,सचिव देवराज घिमिरे, कोषाध्यक्ष विपुलकुमार महतो एवं सदस्यसभमे सुशीलाकुमारी उपाध्याय, पुनिताकुमारी महतो, सञ्जिताकुमारी सिंह एवं मुन्ना कुमार सिंह रहल छै । ६ गोटे साक्षी सेहो संघ गठनकालमे रहल छै ।
विभिन्न २५ गाटे ब्यापारीसभव्दारा संस्थापनकालमे ९८३५६/- टाका चन्दा अनुदान संकलन कए संघकेँ कार्य आरम्भ कएलगेल छल सेहो जनतब पहिल साधारणसभामे भेटल । ई समाचार लीखब धैर सभामे सदस्यसभबीचके आपसी छलफल एवं भावि कार्ययोजना सम्बन्धमे बन्नशत्र जारी छल । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया