डूइबक मरल बालिकासभके परिवारजनकेँ दश/दश हजार

२०७८ जेष्ठ ३०, आईतवार ०२:४३
सीमाञ्चल समदिया

  • 33
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके दक्षिणीक्षेत्रके एक्कहि गामके पाँचटा बालिका डूइबक मैरगेल परिवारजनके कृयाखर्च स्वरुप रकम सहयोग कएलगेल छै ।

धनुषाके मुखियापट्टी मुसहरनियाँ गाउँ पालिका अन्तर्गत माछ पालन हेतु खनाओल गेल एकटा पोखरि पानिमे डूइबक पाँचटा बालिका शुक्रदिन मैरगेल छल । मृतक बालिकाके परिवारजनकेँ नेकपा एमालेस’ सम्बद्ध पूर्वमन्त्री जुलीकुमारी महतो कृयाक्रम हेतु १०/१० हजार टाका रकम देलीह ।

मृतक परिवार जनकेँ घर परिवारमे जाक सोक सन्तप्त पीडि़तसभकेँ सानत्वना दैत अपन नीजी खर्चस’ ततकाल दश/दश हजार टाका नगद रकम देल गेल छै ।

शुक्रदिन दिनमे साढे़ १२ बजे समयमे मुखियापट्टी-मुसहरनीयाँ गापा वार्ड नं.६ लक्ष्मीपुर स्थित चौरीमे हुलास यादवके खेतमे खनल नवका पोखरिमे बालिकासभ खेलैत-खेलैत डूइबक मैर गेल छलीह ।

डूइबक मरल बालिकासभमे स्थानीय पल्टू यादवके १२ वर्षके बेटी लक्ष्मीनियाँ यादव, जगरनाथ ठाकुरके पोती चान्दनी ठाकुर, उत्तिम साह तेलीके बेटी ललिता साह तेली, राजगिर पूर्वेके १३ वर्षकेँ बेटी मञ्जु पूर्वे एवं जोगेन्द्र भगतकेँ १० वर्षके बेटी चन्दाकुमारी भगत नामक बालिकासभ छल ।

शोकाकूल पीडि़त परिवारजनके रकम प्रदान करैत पूर्वमन्त्री जुलीकुमारी महतो ।

ओहि क्षेत्रस’ प्रदेश सभामे जीतल नेपाली काँग्रेसके प्रभावशाली नेता रामसरोज यादव वर्तमानमे प्रदेश दूमे भौतिक पूर्वाद्धार मन्त्री समेत रहल छैथ । धनुषा क्षेत्र नं.३के संसद एवं संघीय सरकारके उपप्रधानमन्त्री एवं शहरी विकास मन्त्री राजेन्द्र महतो पीडि़त परिवारकेँ नइ स्वयं,नइ प्रदेश सरकार कोनो मद्दत कर कराब सकल छै ।

नइ शोकाकूल परिवारजनकेँ तोक भरोस दियाब लेल जासकल छै । ओना सुनमे आएल मन्त्री महतो अपना दिशस’ दश दश हजार टाका सहयोग रकम पीडि़त परिवारकेँ पठौलाह मुदा एकर पुष्टि नइ हुअ सकल छै । तेहन अवस्थामे पूर्वमन्त्री महतो सोकाकूल परिवारके घर जाक भेटब आ सहानुभूति देखौलीह ओ प्रशंसनीय काज मानल जाय चाही । निशोधाह जनताके केओ त’ देखनिहार भेल ।

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया