ठेरामे सिंचाई सुबिधा हेतु पैनी निर्माण आरम्भ

२०७९ श्रावण २१, शनिबार १५:४५
सीमाञ्चल समदिया

  • 8
    Shares

जनकपुरधाम । कृषकसभकेँ सुविस्ताके लेल पैनी निर्माण काजके श्रीगणेश करब काज एकटा कार्यक्रम बीच आइ कएलगेल छै । मिथिला बिहारी नगरपालिका वार्ड नं.१० ठेरा गाममे स्थित बहैत जलाइध धारकातमे पैनी(कुलो) निर्माणलेल पुजा हबन करैत निर्माण काज आरम्भ कएलगेल जनतब भेटल ।

मिथिला बिहारी नगर पालिकाके मेयर राजेन्द्र प्रसाद यादव एकटा समारोहबीच शनिदिन पैनी निर्माण काज हेतु शिलान्यास कएलाह ।
धाजा गाइरक प्रकृति पुजन करैत गंगा-कमलाके गोहराबैत पैनि निर्माण काज नीकेसुखे पुरा होए ओ अभिप्रायस’ मेयर यादव काजके श्रीगणेश कएला ओ जनतब भेटल ।

पैनी निर्माण हेतु धाजा पुजा करैत मिथिला बिहारीके मेयर राजेन्द्र प्रसाद यादव ।

अइबेर गर्मी अत्याधिक पैर रहल छै । रौद कड़ा उगैत छै आ वर्षा एक तरहें नदारथ छै । कृषकसभके धानबाल िहेतु पानि अति आवश्यक छै । धनखेती हेतु प्रसस्त पानि अइबेर तराईक्षेत्रमे नइ भरहल छै । जाहि हेतु कृषकसभ चिन्तित छैथ ।

रौदी परत कि होएत ओ अन्यौलता गृहस्तसभमे घर कएने छै । ताहि बातके दृष्टिगत करैत पैनी बनाक चौरी चांचरमे जल पुंगाक सिंचाई सुबिधामे सुविस्ता करब हेतु नगर पालिकाके सोकजगर प्रयास कएल गेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

One thought on “ठेरामे सिंचाई सुबिधा हेतु पैनी निर्माण आरम्भ

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया