ठन्कास’ दू बालक अधमरु, डूइबक पाँच बालिका मरल,मन्त्री महतोव्दारा सम्वेदना एवं क्षतिपूर्ति

२०७८ जेष्ठ २८, शुक्रबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया

  • 3
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरक्षेत्रमे आई शुक्रदिन प्रकृतिके कहरस’ दू बालक अधमरु बनल एवं मानवीय असावधानीकेँ ओजहस’ पाँचटा बालिका मारल गेल छै ।

जनकपुरधाम उपाहानगरपालिका वार्ड नं १ पुलचौक स्थित दर्जीबाटोलमे ठनका खसलास’ दूटा बालख गम्भिर रुपस’ घाहिल भेल छै ।
रेलटीशन लगिचे दर्जी टोलमे एकटा पिपरके गाछ पर ठन्का खसल ।

गाछके निच्चा दूटा बालक खेल रहल छल ओहि समय ठन्कान खसला पर दूनु बालक गम्भिर रुपस’ घाहिल भगेल छै । घाहिल हुअबाला बालक १४ वर्षिय रेहान साफी एवं १३ वर्षिय शाहिल साफी रहल जनतब भेटल ।

अधमरु अवस्थामे रेल टीशन लगिचे रहल धनु्षा अस्पतालमे ततकाल पुंगाओल गेल । डा.कमल दासके कहब अनुसार घाहिल दूनु बालक मध्ये शाहिल साफीके अवस्था ‘क्रिटिकल’ छै । विशेष उपचार हेतु अन्तह पठाओल गेल छै । ठन्का खसला पर गाछस’ होइत बालसभको कपडामे आइग धलेलक जाहिस’ बालकव्दयकेँ देह झरैक गेल छै ।

अहितरहें जनकपुरधामस’ दखिन पछिममे अवस्थित मुखियापट्टी मुसहरनियाँ गाउँ पालिका अन्तर्गत माछ पालन हेतु खनाओल गेल एकटा पोखरि पानिमे डूइबक पाँचटा बालिका मैर गेलीह । संगे दूटा बालिका ई समाचार लीखबधैर पाइनमे हेरारहल बात कहल गेल छै ।

शुक्रदिन दिनमे साढे़ १२ बजे समयमे मुखियापट्टी-मुसहरनीयाँ गापा वार्ड नं.६ लक्ष्मीपुर स्थित हुलास यादवके खेतमे खनल गेल नवका पोखरिमे बालिकासभ डूइबक मैरगेलीह । मात्र पाँच फिट गहिंरगर पानिमे डूबल बात कहल गेल छै ।

डूइबक मरएबाला बालिकासभमे स्थानीय पल्टू यादवके १२ वर्षके बेटी लक्ष्मीनियाँ यादव, जगरनाथ ठाकुरुके पोती चान्दनी ठाकुर, उत्तिम साह तेलीके बेटी ललिता साह तेली, राजगिर पूर्वेके १३ वर्षकेँ बेटी मञ्जु पूर्वे एवं जोगेन्द्र भगतकेँ १० वर्षके बेटी चन्दाकुमारी भगत हेलैत-खेलैत गुड़ैकक पोखरिमे डूइबक मैर गेल छै ।

बालिकासभकेँ नाहाकमे मानवीय लापरवाहीक के ओजहस’ डूइबक मैरगेला पर ओइक्षेत्रकेँ संसद एवं वर्तमान संघीय सरकारकेँ उपप्रधान तथा शहरी विकास मन्त्री राजेन्द्र महतो दुःख व्यक्त करैत शोकाकूल परिवारजनप्रति सम्वेदना ब्यक्त कएलाह ।

विज्ञप्ति मादे सम्वेदना ब्यक्त करैत मन्त्री महतो उचित क्षतिपूर्ति समेत लेल व्यवस्थापन कएल जाए धनुषाके सिडियोके कहलगेल बातके जिकीर समेत विज्ञप्तिमे कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया