जामे कलेजमे अन्नत्याग आन्दोलनके सातम् दिन, निकास हेतु दूनुपक्षके गम्भिरता चाही-पूर्व स्वास्थ्यमन्त्री डा.यादव

२०७७ कार्तिक २३, आईतवार १५:३९
सीमाञ्चल समदिया

  • 3
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जानकी मेडिकल कलेज भितरके कर्मचारीसब धर्ना दैत-दैत आब अन्न त्याग आन्दोलन दिश बैढ़गेल छै । एकलहैत आश्विन गतेस’ धर्ना दैत आएल छल । मांग सम्बोधन नइ भेला पर ओसभ अन्नत्याग आन्दोलन दिश चैलगेल छै ।

कर्मचारीसभकेँ चरणबद्ध अन्नत्याग आन्दोलन अर्थात् अनशनके आइ रबिदिन एकसप्ताह पुंगल छै । सातम् दिनके अन्नत्याग आन्दोलनके दिन पूर्व स्वास्थ्य तथा जनसंख्या राज्यमन्त्री एवं महोत्तरी क्षेत्र नं.४ के संघिय सांसद डा.सुरेन्द्र यादव अवस्थाके अवलोकन करब हेतु पुंगलाह । मजदूरके समस्या आ मांगप्रति अपन एक्यबद्धता सेहो जनौलाह । सांसद यादव ‘‘ समस्याके निकास हेतु दूनुपक्षके गम्भिर हुअ लेल’’ सीमाञ्चल समदिया समक्ष आग्रह कएलाह ।

मजदूरके समस्या समाधान यथाशिघ्र कएल जाय चाही । सम्बन्धित सभपक्षसंग अनुरोध करैत । नेपाल मेडिकल काउन्सिलके पदाधिकारी सभकेँ सेहो आवश्यक मध्यस्थता करक चाही, ओहो आग्रह सांसद डा.यादव कएलाह । कर्मचारीसभ अपन हक-अधिकारके बात कएला पर अपनक्षेत्रगत विषय उठौला पर नोकरीस’ हटा देब, पलिसमेन्ट देव जेहन कार्य निन्दनीय आ गैर लोकतन्त्रवादी रहल ओहो ठहर सांसद डा. यादव अपन संक्षिप्त सम्बोधनमे अनशनरत् कर्मचारीसभके तोक भरोस दैत कहलाह ।

२०५९ साल दिस शिक्षण अस्पतालके रुपमे मान्यता प्राप्त जानकी मेडिकल कलेजमे आकस्मिक सेवा बाहेक सबसेवा जक्कथक्क छै ।
कर्मचारीसभकेँ संचयकोष, चारि महिनाके बाँकीयौता दरमहा भत्ता चुक्ता कएल जाए, अस्पतालके हर हिसाब पारदर्शी कएल जाए ई मुख्य मांग राइखक तालाबन्दी कए धर्ना आन्दोलन जारी रखने छै ।

रमदैया स्थित कलेज भितर मन्दिर परिसरमे धर्नास्थल पर ‘ श्रम शोषन एवं ज्यातदीके बिरुद्ध’ आमरण अनशन अंकित बैनर टाङ्गल छै । रविदिनके अन्नत्याग आन्दोलनमे धर्नास्थल पर जानकीशरण यादव एवं कूलदीप साह बैसल छलाह ।चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया