जानकी हेल्थ केयरव्दारा बृक्षारोपन एवं सरसफाई

सतरहम् वार्षिकोत्सवमे सप्ताहव्यापि कार्यक्रम शुरु

२०७९ फाल्गुन २७, शनिबार १५:५७
सीमाञ्चल समदिया

  • 28
    Shares
सरसफाईमे सामेल लोक, चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

जनकपुरधाम । नीजीक्षेत्रमे स्वास्थ्यसेवा प्रदायक संस्था ‘जानकी हेल्थ केयर एण्ड टीचिङ्ग अस्पताल प्रा.लि. १७ हम् वर्षमे प्रवेश कएने छै । वार्षिक उत्सवके अवसर पर शनिदिन सरसफाई, बृक्षारोपन एवं रक्तदान कार्यक्रम आयोजन कएलगेल जनतब भेटल ।

 

अस्पतालके सत्तरहम् वार्षिक उत्सवके सन्दर्भमे सप्ताहव्यापि रुपमे विभिन्न कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल । जाहि कार्यक्रम अन्तर्गत आइ शनिदिन प्रातःकालमे दशरथ मन्दिरस’ बजरङ्ग चौकधैर सरसफाईके काज कएलगेल ।

 

अस्पतालस’ सटले पुरुबकात पापमोचनी पोखरि मोहार पर बृक्षारोपन कार्यक्रम कएलगेल । तेकराबाद दश बजेस’ रक्तदान कार्यक्रम सेहो कएलगेल बात बुझएमे आएल । स्वास्थ्य, सौन्दर्य एवं वातावरण सन्तुलन हेतु उपयोगी गाछ-बृक्षके कलम रोपल गेल छै ।

 

जाहिमे ‘रक्त अशोक’, मैल श्री भालसरी, आम, खीरीया-पुडि़या एवं बड़के कलम रोपल गेल छै । यीसबटा गाछके कलम सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्र भगत नागवंशीव्दारा तयार कएलगेल रोपल गेल छै । नकली अशोकके पौध सेहो रोपल गेल छै ।

बृक्षारोपन, चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

कएलगेल बृक्षारोपनमे आम, भालरी-मौलश्री, खिरीया-पुरिया, रक्त अशोक, बड़के पाँच पाँच फीट खडगर गाछ २१ टा पत्रकार कलाकार नागवंशीव्दारा प्रदान कएलगेल जनतब कार्यक्रम स्थलमे स्वयं जानकी हेल्ग केयरके व्यवस्थापक हरिशचन्द्र यादव बतौलाह ।

 

एहितरहें अस्पतालस’ सम्बद्ध कर्मचारी, चिकित्सक सहितके समूह छाडू ल’क’ अस्पतालके आगास’ बजरङ्ग चौक धैर दू बगली सफाई कार्य कएलक । रक्त दान कार्यक्रम जारीए रहलास’ नामाबली अखनु नइ प्राप्त हुअ सकल ।

 

बृक्षारोपन काजमे डा.हरिश्चन्द्र यादव, वन विभागके पूर्व महानिर्देशक डा.अखिलेश्वर लाल कर्ण, जिला वन कार्यालय धनुषाके वर्तमान प्रमुख सुुरेश शर्मा, पूर्वप्रमुख गणेश राय सामेल छलाह ।

 

तहिना हरिनारायण मण्डल, हरिपुर्वा नपाके पूर्व प्रमुख ई.सीयाराम राय, आदि प्रमुख लोक सामेल छलाह । तहिना सरसफाइ समेतमे अस्पताल कर्मचारी एकाण्टेड सुनिलकुमार यादव, राजीवकुमार यादव, डा. शक्ति साह, विपीनकुमार झा, राजेश कुमार यादव, लव कुमार, सन्तोष कुमार साह,रोहित झा, सुखसागर चौधरी सहितके लोक सामेल छल ।

 

जानकी हेल्थ केयरव्दारा सरसफाई , चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

वार्षिक उत्सवमे सप्ताह व्यापि कार्यक्रम अन्तर्गत आगामी चैत ३ गतेधैर अस्पताल विभिन्न स्वास्थ्य जागरुकता मूलक एवं सेवा प्रवाह सम्बन्धि कार्यक्रम सञ्चालन कए रहल छै । जाहि अन्तगर्तक दक्ष चिकित्सक मादे निशुल्क स्वास्थ्य उपचार समेत कएल जाएत ओहो जनतब व्यवस्थापक हरिशचन्द्र यादव देलाह ।

 

बृक्षारोपनमे सामेल लोक, चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

२०६३ साल अगहन-२८गते १५ शैय्याके अस्पतालके रुपमे भाड़ाघरसं शुरु भेल उपचारपद्धति २०७० सालस’ अपन नीजीभवन दशरथ नगरमे जनकपुरधाम क्षेत्रमे सुव्यवस्थित नीक अस्पतालके रुपमे जानकी हेल्थ केयर एण्ड रिसर्च सेन्टर लोकके सेवा दैत आइब रहल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया