जानकीमन्दिर आगाके पार्क पर प्रशासनके नजर गेल, तिनदिनमे व्यवस्थापन नइ भेला पर कार्यवाही

२०७७ आश्विन ३०, शुक्रबार ०४:५४
सीमाञ्चल समदिया

  • 39
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जानकी मन्दिरके आगाके पार्क किछुतत्वद्वारा जहिना हड़बर्रीमे तोड़ल गेल, तहिना फटाफट बनाओल जाए अन्यथा तोड़-तोड़ाबबाला पर कार्यवाही होएत ओ बात प्रशासन प्रमुखद्वारा कहल गेल छै ।

किछुगोटेकेँ कहब अनुसार सार्वजनिक रस्ता बनाबलेल सड़क बिस्तार काजमे बेसी जग्गह फूलवारीके ललेल गेल छै । तहीदुवारे देबाल तोड़लगेल छल । तोड़लगेल देबाल नइ बनने लोकके आबाजाही करबमे महाभारी दिक्कत होइत र्छै । नगरके सुन्दरतामे एकप्रकारस’दाग लागब काज समेत भेल छै ।

जानकी मन्दिर आगुके पार्कके भूमि अतिक्रमण कएलगेल विकास निर्माणके कार्यमे अवरोधक बनैत आएल किछु समाज सुधारक लोक जाहि जोश जांगरस’ देबाल तोड़लक अथवा तोड़बौलक ओहिना व्यवस्थापन कराब नइ सकल छै । तैँ आब समाज सुधारक पर कार्यवाही करब लेल प्रशासन प्रमुख अग्रसरता लेलाह ।

बृहस्पति दिन धनुषाके सिडिओ प्रेम प्रसाद भट्टराई जानकी पूmलवारीके लेल अगुवाइकर्ता मुरली मनोहर मिश्रकेँ चेतौनीपूर्ण शब्दमे कहलाह ‘‘ जाहि रुपस’ देबाल ठाहब-तोरब काजमे अग्रसरता लेली ओहिना ओकर निर्माण काज दू तिन दिन भितरमे करु-करबाउ ! अन्नथा अहाँ पर प्रशासनीक कार्यवाही कएल जाएत !’’

सार्वजनिक सम्पति सार्वजनिक काजमे अएला पर आपत्ति नइ हुअ चाही । जानकी मन्दिरके आगा भत्कल भथाएल अवस्था उजार पतार लगैत छै, ट्राफिक जाम होइत छै जानकी मन्दिरके आगा एना रहब अहांके नीक लगैए ! सेहो प्रश्न सिडियो भट्टराइ मिश्रस’ कएलाह । जेना अहांसभ अगुवाइ क’क’फूलवारीकेँ देबाल तोड़ली तहिना शिघ्र बनाबके बनबाबके काज करु । सिडियो भट्टराई अपन कार्यकक्षमे मिश्रके बजाक फटकार लगबैत कहलाह ।

प्रतिउत्तरमे हएतै सर नगरपालिका नइ बनतौ त’ किछु दानी धर्मीसभ बनाब लेल तैयार छै……! कहैत मिश्र भरोस दियौलाह । ततपछाइत सिडियो भट्टराई बस तिन दिनमे फूलवारी लगके कबारा फोहर हटक चाही एवं चिक्कन बाट हुअ चाही । नवका देवाल खाड़ कएल जाए   चाही । ओ प्रसंग उठबैत सिडियो भट्टराई जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका नइ तोड़ने छै,आ नइ जोड़के मानसिक्तामे छै, तोड़बाला पर उन्टे कार्यवाहीके बात कए रहल छै । सेहो बात गप्पसप्पमे ओ कहलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया