सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनताके उससी पात्र बैनक निर्वाचनमे भोंट लेब आ अपन करतव्य बिसैर जाएब, तेहन जनप्रतिनीधिकेँ आब जनता स्वयं सबक सिखाब लागल छै ।
चित्रमे बिजली खम्हास’ बान्हिक राखलगेल महानुभाव वार्ड अध्यक्ष छै । वार्डमे जनताके फिरसानी आ विकास निर्माणके काज जनभल लेल नइ कसकला पर जनता पकैर सार्वजनिक स्थल पर बान्हिक विकासी हिसाब किताब मांग कए रहल छै ।
निर्वाचित भेला ४ वर्ष जतेक समय वितिगेला पछाइतो विकासी काज नइ कसला पर स्थानीय जागरुक जनता रौदमे टेटाब लेल वार्ड अध्यक्षकेँ घेरक, पकैरक बिजली खम्हास’ बान्हिक सार्वजनिक बैज्जति कएलक अइ ।
ईघटना हमरसबहक देशके नइ भ’क’ दक्षिणी कातक सबल परोसी देश भारत बिहार राज्यके मधुबनी जिला अन्तर्गतके छै । नेपाल-भारत सीमास’ जुड़ल मधुबनी जिलाको मोहनिया नगर पञ्चायतमे विकासी काज नइ भेल तेहन स्थानीयसभकेँ आरोप छै ।
मोहनिया नगरपरिषदके वार्डनम्बर १५ के वार्डअध्यक्ष ईम्तियाज अन्सारीकेँ लोक पकैरक बिजलीके पोलमे पहिने बान्हिक रौदमे रखलक । तेकराबाद तत्सम्बन्धि सूचना नगर पालिका प्रमुख एवं आन अधिकारीसभकेँ देलक ।
ओहि गामके वडा नं.१५ मे गल्ली-टोल-मोहल्लामे सडक, नाला ब्यवस्थित नइ भेलाके कारण बर्षात् समयमे सर्वसाधारण नागरीकके पयरे चलब सेहो कठिन भगेल छै । मुदा गौवाँके समस्यास’ जनप्रतिनिधि खासे सरोकार नइ रखला पर अपन दुःख पीड़ास’ सभकेँ अवगत कराब लेल एहन कएने बुझमे आएल ।
कानुनी राज्य व्यवस्थामे जनप्रतिनिधि, अधिकारी एवं सम्बन्धित निकायसभकेँ रहितो एहन हर्कत करब नीक बात नइ मानल जाए चाही । मुदा जनअधिकार प्रापक जनप्रतिनिधि जौं जनताके काज नइ करए आ सरोकारी निकाय सेहो मतसुन बनल होए तत्ह समाज नीयम कानुन हातमे लेब लेल बाध्य होइत छै । तेहनमे एहन काजसभकेँ बढ़ाबा भेटैत छै । तैँ हमरोसबके देश नेपालमे जनप्रतिनिधिसभकेँ जन उत्तरदायी भेनाइ अति आवश्यक छै । श्रोतः सुलभ खबर डटकम ।
प्रतिक्रिया