सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । एम्हर किछु दिनस’ अत्याधिक जाढ़-धुनि तराइक्षेत्रमे बढ़ल छै । लोकके घरस’ बहराएब साहस नइ होइत छै । तेहनसन प्राकृतिक अवस्था होइतो किछु लोक स्वच्छता सफाईलेल सामूहिक काजमे अग्रसरित रहैत देखलगेल छै । जे प्रशंसनीय काज छै ।
सफाइ अभियन्ताक गप्प छोडि़क सर्व साधारण टोलवासी सफा सुथरतामे सक्रिय भेल छै ई एकटा नीक समाज उसासी प्रशंसित काज भेल छै । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.१३ मे तेसरका सप्ताह सेहो जागरुक युवासभ सार्वजनिक स्थान साफ सुथर कएलक ।
आइ शनिदिन भिन्सरे वार्ड नं.१३मे रत्नचौकस’ पुरवारी टोलधैरको सड़क बाट दूबगली सफा-सुथर कएलगेल छै । अइ नेक काजमे विनोद कुमार साह, सीताराम साह, जमुनाप्रसाद यादव, रामकुमार राउत, सरोजकुमार राउत, मुन्ना राइन, प्रदीप साह, अनिल साह, गोपाल साह, संतोष साह, देवशरण साह, जगदीश साह, धिरेन्द्र साह, मो.समसुल आलम सिकिन्दर साह, वरुण साह, कैलाश राउत, रामसुकेश्वर राउत, रामचलितर साह, कलाम राइन सहितके युवा सहभागी छल ।
प्रतिक्रिया